विश्व प्रेस स्वतन्त्रता दिवसके अवसरमे जनकपुरमे पत्रकारसभ निकाल्लक प्रभात फेरि

0

बैशाख २० गते,विश्व प्रेस स्वतन्त्रता दिवसके अवसरमे जनकपुरमे प्रभात फेरी निकाललगेल अछि । नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाके आयोजनामे पत्रकार महासंघके भवन सँ निकाललगेल प्रभात फेरि जानकी मंदिरके प्राङणमे पहुँचक कोणसभामे परिणत भेल अछि । पत्रकार महासंघ धनुषाके अध्यक्ष अनिल मिश्रके अध्यक्षतामे आयोजित कोणसभामे बजैत बरिष्ठ पत्रकार राजेश्वर नेपाली प्रेस जगतमे विभिन्न कालखण्डमे सेहो दबवैइत आएल बतबैत अखन सेहो ऐहने प्रवृति हावि भँऽ रहला सँ ऐकर विरुद्ध पत्रकारसभके जोडदार रुपमे लिखवाक चाही बतौने छलथि ।तहिना नेपाल पत्रकार महासंघक पूर्व केन्द्रिय कोषाध्यक्ष शितल साह नेपालक अवस्था किछ दलसभके कारणे समस्यामे रहला सँ पत्रकारसभके ओयदिस सचेत होइत देशक निकास होव जका पत्रकारसभके कलम चलौनाई अखनुक आवश्यकता रहल बतौने छलैथ । पत्रकारसभके सजग भँऽ देशक निकासके लेल निडर भँ कँ कलम चलाव आह्वान करैत पूर्व केन्द्रिय कोषाध्यक्ष साह पत्रकारसभके प्रेस स्वतन्त्रता हैवाक चाहि बातमे जोर दैने छलैथ ।कार्यक्रममे नेपाल पत्रकार महासंघक केन्द्रिय सदस्य अजय अनुरागी , पूर्व धनुषा अध्यक्ष अशोक रौनियार, उमेश साह, धनुषाके उपाध्यक्ष धर्वेन्द्र झासहितक वक्तासभ अपन अपन मनतब्य रखने पत्रकार महासंघ धनुषाके सचिव पुरण साह जानकारी देलनि अछि ।

 

Share.

Leave A Reply