विप्लव माओवादीके चितवन सभामे प्रहरी हस्तक्षेप, धर्मेन्द्र बास्तोला सहित २२ गोटे पक्राउ

0

बैशाख–८गते,विप्लव माओवादीसभ चितवनके भरतपुरमे आयोजना कएने सभाके प्रहरी भाँड्लकअछि । चौबिसकोठीमे आयोजित सभाके पार्टी स्थायी समिति सदस्य धर्मेन्द्र बास्तोला सम्वोधन कऽरहल बेर प्रहरीहस्तक्षेप कएनेछल ।कार्यक्रम स्थलसँ प्रहरी २२ गोटेके नियन्त्रणमे समेत लेने विप्लव माओवादीसभ जनौलकअछि ।विप्लव माओवादी चुनाव विरोधी गतिविधि कऽरह्लासँ हस्तक्षेप करपरल प्रहरी स्रोत बतौलकअछि । विप्लव माओवादीसभ आसन्न स्थानीय तहके चुनावके असफल कर्वाक अभियान चलाबिरहलअछि ।चितवन प्रहरी प्रमुख दीपक थापाके अनुसार सुरुमे विप्लव माओवादीसभ शान्तिपूर्ण र्याली निकाल्नेछल । मुद्दा, सभा होबके बेर माओवादी कार्यकर्तासभ प्रहरीउपर पाथैर प्रहार कएनेछल । दुपहर दु बजेसँ चारि बजेधरि पथराव भेलछल तँ विप्लव माओवादी कार्यकर्तासभ बिभिन्न स्थानमे टायर बारिक प्रदर्शन कएनेछल । ओकरबाद स्थिति नियन्त्रणमे लेऽब बल प्रयोग करपरल थापा बतौलनिअछि ।

Share.

Leave A Reply