विप्लव नेतृत्वक नेकपाद्वारा रामेछापमे ४० रोपनी जग्गा कब्जा

0

जेठ २९ गते,नेत्रविक्रम चन्द विल्लव नेतृत्वक नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी नेकपा रामेछापके सुनापती गाउँपालिका–२ दिमिपोखरीके मोहन घिसिङके ४० रोपनी बारी जग्गा कब्जा कएलकअछि ।
घिसिङके जग्गा खाँडादेवी गाउँपालिका–७ मे रहलअछि । नेकपाके कार्यकर्तासभ पार्टीके झन्डा जग्गा धनी घिसिङके बारीमे गाडिक जग्गा कव्जा कएने घोषणा कएनेअछि ।
जग्गाधनी घिसिङ स्थानीय नागरीकसभके जग्गा बहला फुस्लाक सस्ता मूल्यमे खरिद कएने उजुरी पार्टीमे पर्लासँ ओकरा बेर बेर जग्गाके विषयमे छलफल कऽर बजौलाकऽबादो नै अएलाकऽद बाध्य भऽक जग्गा कब्जा करऽपरल नेकपाके रामेछापके जिल्ला सदस्य शेरबहादुर तामाङ जानकारी करौलनिअछि ।
ओ कहलनि ‘जग्गा लेबबला आ बिक्री करबला दुनु पक्षके राखिक छलफल नै कराबधरि जग्गा अपन पार्टीके कब्जामे रहत ।’

Share.

Leave A Reply