विद्यापति मैथिली सांस्कृतिक भवन शिलान्यास काएलगेल

0

बैशाख २९ गते । जनकपुरधाम
मिथिला नाट्य कला परिषद् मिनाप जनकपुरके नाट्यघर ‘विद्यापति मैथिली सांस्कृतिक भवन’के आई एक कार्यक्रमके विच शिलान्यास काएलगेल अछि । जनकपुरस्थित सरकारी वकिल कार्यालयके उत्तरवारीतर्फके गुठी संस्थान सँ भाडामे लेलगेल अढाइकट्ठा जग्गामे मिनाप आई नाटक घर बनावके लेल शिलान्यास कैने अछि ।
करिब एक करोड रुपैयाँके लागतमे भवन निर्माणके सुरुवात काएलगेल अछि । भवनके लेल सरकार सँ २५ लाख आ उपप्रधान एवम् गृहमन्त्री विमलेन्द्र निधि संसदीय विकास कोष सँ पाँच लाख रकम सहयोग कैने अछि ।
नाटक घर शिलान्यास कार्यक्रममे साहित्यकार डा. राजेन्द्र विमल, मिनापक अध्यक्ष परमेश झा, पूर्व अध्यक्षसभ सुनिल मिश्र, सुनिल मल्लिक आ मदन ठाकुर संयुक्त रूपमे भवनके शिलान्यास कैने छलैथ । नाट्यघर निर्माण भेलाक बाद मिनापक कलाकारसभ नाटक मंचनके संगहि नाटक तयारीके लेल सहयोग पहुचके मिनापक महासचिव शैलेन्द्र मल्लिक जानकरी देलनि अछि ।

Share.

Leave A Reply