लगातार परल अविरल वर्षासँ जनकपुरक सडक जलमग्न, दुर्घटनाक खतरा बढल

0

धिरेश दत्त
जनकपुरधाम २१ गते।
देशक विभिन्न भागलगायत लगातार परिरहल अविरल वर्षासँ जनकपुरक सडक जलमग्न बनलअछि । जयके कारणे सर्वसाधरणसभ सम्स्यासँ जुझिरहलअछि तँ दुर्धटनोके ओतव्याह् खतरा बढल देखलगेलअछि ।
बर्षौसँ एडीबि परियोजनाद्वारा कएल जाऽरहल सडक विस्तार तथा निर्माण्क काज पूरा नै होईते लगातार परल अविरल बर्षाक कारणे काज अबरुद्घ होबके साथे जनकपुरक अधिकांस ठामसभमे खड्डा खुड्ीके साथे जहीतहि पानी भरल देख्वामे आएलअछि ।
एडीबि परियोजनाद्वारा कएल जाऽरहल सडक विस्तार तथा निर्माण्क काज एकटा सम्पन्न नै होईत दोसर काजमे हाथ लगौलासँ सभटा काज अधूरे रहलअछि । ठामँ ठाममे माटि कोरिक ओहिना छोईड देनेअछि तँ कतौ मुख्य सडके अबरुद्घ कऽदेनेअछि । जयके कारणे ५ मिटमे पहुँचबला ठाममे घण्टौ लगाक पहुँच परिऽरहलअछि । नालासभ सेहो भरिदेलासँ पानीके निकाश नै भेलाक कारणे जनकपुर अखन जलमग्न देखलगेलअछि ।
जनकपुरक कदमचौक,भानूचौक,मिल्सएरिया,मूर्लीचौक लगायतके ठामसभमे अखनो पानीके निकास नै भेलाके कारणे ओहिना जनकपुर अखन जलमग्न देखलगेलअछि । सर्वसधारण,तथा स्कूल जायबला बच्चा बुच्चीसभके स्कूल जएवाकलेल पानीसँ भिजीएक जायपरैतअछि तँ कतौ बच्चासभ तथा सियानसभ सेहोे नयाँ खनल मायटक कारण पिछैरक चोटपटक लागलअछि । सवारी साधनसभ सेहो ओय खड्ढामे फँसिक दुर्घना होईत आबिरहलअछि तँ दिनमे दर्जनौ पैदल यात्री तथा सवारी चालकसभ पिछैरक दुर्घटनाके चपेटमे आबिरहलअछि । मुद्दा सम्बन्धीत निकाय तथा नगरपालीका मुकदर्शक बनलअछि ।

Share.

Leave A Reply