रौतहट प्रहरीद्वारा करोडौंके सामान पक्राउ

0

श्रावण १६ गते,जिल्ला प्रहरी कार्यालय रौतहट आर्थिक वर्ष २०७३÷२०७४ मे भन्सार चोरी निकासी नियन्त्रण कर्वाक क्रममे २ करोड सँ बेसीके सामान पक्राउ कएलकअछि ।
रबिदिन जिल्ला प्रहरी कार्यालय गौरमे आयोजित पत्रकार सम्मलेनमे प्रहरी उपरीक्षक यज्ञ विनोद पोखरेल प्रगति विवरण सार्वजनिक करति असार मसान्तधरिमे जिल्लाभरिसँ प्रहरी चोरी निकासीके २ करोड़ ५७ लाख २४ हजार २ सय ३९ रुपैयाँ मूल्य बरवारके सामान नियन्त्रणमे लऽक भन्सारमे बुझौने जानकारी करौलनिअछि ।
भन्सारमे बुझाओलगेल सामानसभमे १ करोड़ ४७ लाख ८९ हजार ५ सय मूल्य बराबरके २९ टा बोलेरो, जीप, गाडी रहल अछि तँ ७५ लाख १७ हजार ७ सय मूल्य बराबरके ८२ टा मोटरसाइकल रहलअछि ।
सम्मलेनके सम्बोधन करति उपरीक्षक पोखरेल सुरक्षा व्यवस्था चुस्तदुरुस्त रहलाक कारण प्रहरी निक काज कऽरमे सफल भेल दावी कएलनिअछि । सार्वजनिक कएने प्रगति विवरणके अनुसार हातहतियार सहित १४ गोटे पक्राउ भेलअछि तँ ९ गोटे कारागार चलान भेल १ गोटे धरौटीमे रिहा भेल आ ४ गोटे अनुसन्धानक क्रममे रहलअछि ।
सरकारवादी मुद्दाके अनुसन्धानक क्रममे ३ सय ७१ गोटे अभियुक्त पक्राउ परल आ २५ गोटे फरार अभियुक्त नियन्त्रणमे लेने जानकारी करबति उपरीक्षक पोखरेल कहलनि जिल्ला भरिमे परल ३ हजार २५ सिधा उजुरी मध्ये २५ सय ८० मिलापत्र भेल आ ४४५ उजुरीकर्ता सम्पर्कमे नै आएल जनौलकअछि ।
जिल्ला प्रसाशन कार्यलयसँ प्राप्त भेल १३६४ निवेदन मध्ये १२२९ फर्छौठ भेल आ १३५ सम्पर्कमे नै आएल तथ्यांक रहल अछि । घरेलु हिंसा दिस ३५२ उजुरी दर्ता भेलमे ३१० फर्छौट भऽक ४२ अनुसन्धानके क्रममे तथा लैंगिक हिंसादिस ५४५ उजुरी परल, ३०० फर्छौट भऽक २४५ अनुसन्धानके शिलशिलामे रहलअछि ।
गत वर्षमे ट्राफिक प्रहरी कएने १७ हजार ७ सय ८३ सवारी साधनके कार्यवाहीमे १ करोड़ २६ लाख ५० हजार रुपैयाँ राजश्व संकलन कएने उपरीक्षक पोखरेल बतौलनिअछि ।
प्रहरी कार्यालय एक वर्षमे चलौने मुद्दासभमे जवर्दस्ती करनी १२, बहुविबाह ४, बालविवाह २, जवर्दस्ती करनी उद्योग २ आ घरेलु हिंसा ० रहलअछि । लागूऔषध सहित पक्राउ परल ५० गोटे मध्ये ४० गोटे कारागार, ५ गोटे धरौटीमे रिहा भेलअछि तँ ५ गोटेके सुधारकेन्द्रमे पठाओलगेलअछि ।
जिल्लामे सञ्चालनमे रहल ९२टा अवैध मदिरा भट्ठी नस्ट करके साथे १६ हजार ८७५ लिटर तयारी मदिरा, ५१ हजार ६६० लिटर कच्चा पदार्थ नस्ट कएने जिल्ला प्रहरी कार्यालय सार्वजनिक कएने तथ्यांकमे उल्लेख रहलअछि ।

Share.

Leave A Reply