रौतहटमे मोटरसाइकल दुर्घटना, १ के मृत्यु

0

बैशाख ३१ गते,रौतहटमे शनिदिन भिन्सर भेल मोटरसाइकल दुर्घटनामे एक गोटेके मृत्यु भेलअछि तँ दु गोटे गम्भीर घाहिल भेलअछि ।मौलापुर गाउँपालिकाके पथराबुधराममे भेल ओय दुर्घटनामे परी मौलापुर ३ मर्यादपुरके मुकेश कुमार पटेलके मृत्यु भेलअछि । विपरीत दिशासँ आबिरहल दुटा मोटरसाइकल एक आपसमे ठोक्कैलासँ पटेलके जान गेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय रौतहटके प्रहरी नायब उपरीक्षक नविनकृष्ण भण्डारी बतौलनिअछि ।बन्कुल बजारसँ मौलापुर दिस जारहल बा २८ प ५८७ नम्बरक मोटरसाइकल आ विपरीत दिशासँ आबिरहल ना १३ प ११३५ नम्बरक मोटरसाइल पथराबुधराममे ठोक्कैलासँ कटहरीया १ के रामजी यादव आ फतुवा बिजयपुर गाउँपालिका पेटभर्वाके हरिन्द्र यादव गम्भीर घाहिल भेलअछि । दुनुगोटे घाहिलके जिल्ला अस्पताल गौरमे उपचार भऽरहलअछि ।तीव्र गति आ घुम्ती मोडके कारण दुर्घटना भेल अनुमान कएलगेलअछि ।

Share.

Leave A Reply