रेणुके फेसबुकमे गाली देने अभियोगमे पक्राउ परल निरब धरौटीमे रिहा

0

श्रावण १९ गते,भरतपुर महानगरपालिकामे माओवादी उम्मेदवार रेणु दाहालके फेसबुकसँ गालीगलौज कएने आरोपमे पक्राउ परल निरब ज्ञवाली धरौटीमे रिहा भेलअछि ।
प्रहरी साइबर अपराधमे मुद्दा चलाब अनुसन्धान कऽरहल बेर जिल्ला अदालत काठमाडौंके न्यायाधीश कृष्णराम कोइराला २५ हजार धरौटीमे रिहा कएलनिअछि ।
निरबके दिससँ बहस करबला वकिलसभ ओकराउपर लगाओलगेले अभियोग राजनीतिक उद्देश्यसँ प्रेरित रहल आ पुनः मतदानके मिति तोकैलाकऽबाद नियोजित रुपमे पूरान उजुरीके आधारमे पक्राउ कएने कहति ओकरा उपर मुद्दा नै चलके जिकिर कएनेछल । आवेशमे गालीगलौज कएलाकऽबादो तत्काले माफी मँग्ने कहति वकिलसभ ओकर बचाउ कएनेछल ।
निरबके पक्षसँ बरिष्ठ अधिवक्ता तथा बार एशोसियसनके पूर्व अध्यक्ष शम्भु थापा, पूर्व उपाध्यक्ष टिकाराम भट्टराई, रमेश बडाल लगायत २५ गोटे कानुन व्यवसायीसभ बहस कएनेछल ।
दु महिनाआगा भरतपुरके मतपत्र फार्ने बेर ज्ञवाली फेसबुकसँ अपशब्द प्रयोग कएने कहति रेणुके पति चितवन जिल्ला प्रहरी कार्यालयमे उजुरी देनेछल । व्याह् उजुरीके आधारमे काठमाडौं प्रहरी निरबके पुतलीसडकसँ बुधदिन पक्राउ कएनेछल ।

Share.

Leave A Reply