राष्ट्रिय पुनर्निर्माण प्राधिकरणक एजेण्डा तयार,बुधदिन छलफल

0

अषाढ २५ गते,राष्ट्रिय पुनर्निर्माण प्राधिकरण निर्देशक समितिके बैसार बुधदिन बैस लागलअछि । राष्ट्रिय पुनर्निर्माण प्राधिकरणके भावी योजना, बजेट आ ओयके लेल थप संरचना तयार कऽरजका आवश्यक निर्णय लेबऽ बुधदिन निर्देशक समितिके बैसार बजाओलऽ गेलअछि ।
निर्देशक समितिके बैसारक लेल रबिदिन प्राधिकरण एजेन्डा तयार कएनेअछि । प्राधिकरण कार्यकारी समितिके बैसारसँ संस्थाके भावी योजना सहितके एजेन्डा तयार कएनेअछि ।
भावी योजना, बजेट आ ओयके लेल आवश्यक संरचना बनाबके विषयमे निर्णय लेबऽजका एजेन्डा तय कएने प्राधिकरणक उपसचिव डा. भीष्म कुमार भुसाल जानकारी करौलनिअछि । सरकार आगामी आर्थिक वर्षमे प्राधिकरणके लेल करिव १ खरव ४५ अरव ९३ करोड बजेट विनियोजन कएनेअछि । प्रधानमन्त्री अपने अध्यक्ष रहल निर्देशक समिति विनियोजित बजेट समेत स्विकृत करपर्वाक कानुनी व्यवस्था अछि ।
प्राधिकरण भूकम्प प्रभावित ३७ जिल्लामे सेहो प्राविधिक जनशक्ति परिचालन कर्वाक निर्णय सेहो कएनेअछि । १४ अति प्रभावित जिल्लामे काज भऽरहल आ आब प्रभावित ३७ जिल्लाके काजके तीव्र गतिमे आगा बढाब प्राविधिक जनशक्ति व्यवस्था कर्वाक काज सुरु कऽर लागल प्राधिकरणके उपसचिव भुसाल जानकारी करौलनिअछि ।
आवश्यक कार्यालय समेत खोलिक प्रभावित जिल्लाके पुनर्निर्माणके काजके सेहो तीव्रता देने प्राधिकरणके योजना अछि । राष्ट्रिय पुनर्निर्माण प्राधिकरण भूकम्प पीडितसभके उपराग पुनरावलोकनके काजके सेहो तीव्र गतिमे आगा बढौने दावी कएनेअछि ।
भूकम्पबाद जोखिममे परल बस्ती स्थानान्तरण, सम्पदा क्षेत्रमे आय आर्जन लगायतक कार्यक्रमके सेहो योजनावद्ध ढंगसँ आगा बढैवाक निर्णय लेने प्राधिकरण जनौलकअछि ।

Share.

Leave A Reply