राष्ट्रपति आय सोमदिन भारत प्रस्थान कऽरहल, जयति अबति दुनु दिन सार्वजनिक विदा देवाक निर्णय

0

बैशाख–४ गते,सरकार राष्ट्रपति विद्या भण्डारी भारत भ्रमणमे जायके दिन आ आबके दिन दुनु दिन सार्वजनिक विदा देवाक निर्णय कएलकअछि ।रबिदिन बैसल मन्त्रिपरिषद बैसारसँ राष्ट्रपतिके भारत भ्रमण स्वीकृत करति विदाके निर्णय कएनेअछि ।राष्ट्रपति विद्यादेवी भण्डारी ३४ सदस्यीय टोलीसहित आय भारत भ्रमणमे जाऽरहलछथि । राष्ट्रपतिके रुपमे हुनक यी पहिल विदेश भ्रमण रहलअछि ।विगतमे राजासभ विदेश भ्रमणमे निक्लतिकाल सार्वजनिक विदा देवाक प्रचलन छल । गणतन्त्र स्थापनाकऽबाद यी प्रचलन हट्लअछि । गणतन्त्र नेपालके प्रथम राष्ट्रपति विदेश भ्रमणमे गेलबेर सार्वजनिक विदा नै देलगेलछल ।मुद्दा, अखन फेरसँ ‘शाही शैली’मे राष्ट्रपतिके विदेश भ्रमणमे विदा देवाक निर्णय भेलअछि ।भारतक राष्ट्रपति मुखर्जी गत कात्तिक १७ नेपाल आएलबेर सेहो प्रचण्ड सरकार सार्बजनिक विदा देनेछल, जयके जनस्तरसँ कडा आलोचना भेलछल  ।राष्ट्रपतिके यी भ्रमण राजकीय भ्रमण रहलअछि । ३४ सदस्यीय भ्रमण टोलीमे परराष्ट्रमन्त्री डा. प्रकाश शरण महत, शान्ति मन्त्री सीतादेवी यादव लगायतसभ रहलछथि  ।राष्ट्रपति भण्डारी भारत बसाईके क्रममे समकक्षी प्रणव मुखर्जी, उपराष्ट्रपति हमिद अन्सारी आ प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी लगायतसाथे शिष्टाचार भेट कर्वाक जनाओलगेलअछि । ओ गुजरात आ उडिसा राज्यके सेहो भ्रमण कर्वाक कार्यक्रम रहलअछि ।राष्ट्रपति भण्डारी शुक्रदिन स्वेदश घुर्वाक कार्यक्रम रहलअछि । आ ओय दिन सेहो सार्वजनिक विदाके घोषणा कएलगेलअछि ।

Share.

Leave A Reply