राप्रपा कार्यकर्ता आ प्रहरीबीच झडप, उपप्रधानमन्त्री अपने धर्नामे बैसल

0

चैत ८ गते,निर्वाचन आयोगके कार्यालय घेराउके क्रममे राप्रपा कार्यकर्ता आ प्रहरीबीच झडप भेलअछि । झडपबाद उपप्रधानमन्त्री समेत रहल कमल थापा अपने धर्नामे बसिक ज्ञापन पत्र बुझौनेछथि ।पार्टीक विधानसँ हिन्दु राष्ट्र आ राजसंस्था हटैवाक निर्णयके विरोध करति राप्रपाके नेता कार्यकर्ता निर्वाचन आयोगके केन्द्रीय कार्यालय घेराउ कऽर गेलछल ।शान्ति बाटिकामे जम्मा भेल राप्रपाके नेता कार्यकर्ता कान्तिपथदिस आगा बढ्लाकऽबाद आयोगके मुल गेटसँ करिव ५० मिटर अगाडिए प्रहरी रोक्नेछल । ओतँँ राप्रपाक नेतासभ सम्बोधन कर्वाक आ आयोगमे ज्ञापनपत्र बुझैवाक योजना रहलछल ।मुद्दा, भिड प्रहरीके धकेलति आगा बढलाकबाद प्रहरी लाठीचार्ज करके साथे अश्रुग्यास प्रहार कएनेछल तँ प्रदर्शनकारीसभ सुरक्षाकर्मीउपर पथराव कएनेछल । ओय क्रममे प्रहरीके लाठीसँ राप्रपाके पूर्वअध्यक्ष एवं पूर्वमन्त्री पशुपति शम्शेर राणा सहितक बहुतोरासँ नेता कार्यकर्ता घाहिल भेलअछि ।झडपके कारण कान्तिपथ क्षेत्र किछ देरकऽलेल तनावग्रस्त बनलछल । राप्रपाक नेता कार्यकर्तासभ टायर बारिक सडकेमे बसिक नाराबाजी समेत कएनेछल ।धर्नामे राप्रपा अध्यक्ष एवं उपप्रधानमन्त्री कमल थापा स्वयंम सहभागी भेलछलथि । धर्नाबाद राप्रपा नेतासभ आयोगमे ज्ञापन पत्र बुझौनेअछि, जयमे आयोगके निर्णय संविधान विपरित भेल कहैत सच्याबके माग कएनेअछि ।

Share.

Leave A Reply