राजपा छाता चुनाव चिह्न नै पाओत

0

 

 

बैशाख १२ गते,निर्वाचन आयोग ६ मधेस केन्द्रित दल मिलक बनल राष्ट्रिय जनता पार्टी (राजपा) के छाता चुनाव चिह्न देब नै सक्वाक बतौलकअछि ।सरकार, राजपा आ संघीय समाजवादी फोरमबीच शनिदिन भेल समझदारी अनुसार चुनावके कार्यतालिका आगा बढाबके विषयमे सोमदिन भिन्सर प्रधानमन्त्री निवास बालुवाटारमे भेल छलफलमे आयोग पदाधिकारीसभ मतपत्र छपागेलासँ नयाँ चुनाव चिह्न देब नै सक्वाक जानकारी करौनेअछि ।बैसारमे सहभागी राजपाके नेतासभ अपनेसभ नयाँ दलके हैसियतसँ चुनावमे जायके माग रखति मतपत्र पुनः छापियोक छाता चुनाव चिह्न देबके माग कएनेछल ।बैसारमे प्रधानमन्त्री पुष्पकमल दाहाल असारके पहिल हप्ताभितर बजेट लाबजका संविधान संशोधन कर्वाक गृहकार्य सरकारके रहल बतौनेछल । ओयसँ आगा आयोग पदाधिकारीसभ जेठ १५ मे बजेट लाबपर्वाक संवैधानिक बाध्यतासँ निर्वाचन आचारसंहिता आकर्षित होबके बतौनेछल ।आयोग पदाधिकारीसभ मधेसमे स्थानीय तह संख्या थप्वाक विषयके समेत तत्काल निर्णय लगाब सरकारसँ आग्रह कएनेछल । प्रधानमन्त्री पुष्पकमल दाहाल उपप्रधान तथा स्थानीय विकासमन्त्री कमल थापा नेतृत्वक समितिसभ सुझाव दैतकेसाथ निर्णय होबके आयोगके आश्वस्त पार्नेछल ।

Share.

Leave A Reply