राजपाद्वारा मधेश बन्दके पूर्वसन्ध्यामे जनकपुरमे मशाल जुलुस प्रदर्शन

0

अषाढ १४ गते,राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपाल घोषणा कएने मधेश बन्दके पूर्वसन्ध्यामे जनकपुरमे मङ्गलदिन मशाल जुलुस प्रदर्शन भेलअछि । राजपाके कार्यकर्तासभ तथा धनुषाक संयोजक परमेश्वर साहके अध्यक्षतामे बैसार बैसक आमहडताल लगायत बन्दके कार्यक्रमसभ सार्वजनिक कएनेअछि ।
जनकपुरके रामचोकसँ मङ्गलदिन साँझ मशाल जुलुस प्रदर्शन कएनेअछि तँ आय १४ गते बुधदिन आमहड्तालके साथे रामानन्द चोकसँ बिहान ७ बजे मोटर साईकल र्याली प्रदर्शन कएने आ बेरिया ४ बजे विरोध जुलुस प्रदर्शन करके जनौलकअछि ।
राजपा नेतृत्वके संघीय गठबन्धनसभ आह्वान कएने आमहड्ताल तथा मसाल जुलुस लगायतके सम्पूर्ण आन्दोलनके कार्यक्रमसभ सफल कऽदेब सम्पूर्ण उद्योग, कलकारखाना, शैक्षिक संस्था, यूवा विद्यार्थी, बजार व्यवसाय, यातायात, राजनितिकर्मी, पत्रकारसभमे अपील कएनेअछि ।

Share.

Leave A Reply