राजपाद्वारा पूर्वघोषित आन्दोलनक कार्यक्रम स्थगित, एमालेद्वारा संसद अवरुद्ध

0

जेठ १७ गते,राष्ट्रिय जनता पार्टी (राजपा) नेतृत्वक संघीय गठबन्धनसभ पूर्वघोषित आन्दोलनक कार्यक्रम स्थगित कएलकअछि ।
उम्मेदवारी मनोनयनके लक्षित करति जेठ १८ आ १९ गते तराई आ मधेसक जिल्लासभमे आह्वान कएने आम हड्ताल लगायत तीन दिनके कार्यक्रम स्थगित कएने राजपा महासचिव मनिष कुमार सुमन जानकारी देलनिअछि । ओ सरकार निर्वाचन घुस्कौने आ निर्वाचन आयोगे उम्मेदवारी दर्ता मिति धुस्कौलासँ जनताके दैनिकीके ध्यानमे रखति हालके आन्दोलन स्थगित कएने प्रस्ट कएलनि ।
सरकार राजपासहित असन्तुष्ट दलसभके सहभागी कराब आ मुस्लिम समुदायके रमजान पर्वके कारण देखबति बुधदिन स्थानीय तहके दोसर चरणके निर्वाचन अषाढ १४ गतेके घुस्कौनेअछि ।

Share.

Leave A Reply