राजपाद्वारा चुनाव भाँड्के घोषणा, अषाढ १० गतेसँ अनिश्चितकालिन आमहड्ताल

0

जेठ २८ गते,राष्ट्रिय जनता पार्टी (राजपा) नेपाल चुनाव भाँड्के योजनाके साथ आगामी अषाढ १० गतेसँ अनिश्चितकालिन आमहड्तालके घोषणा कएलकअछि ।
संघीय गठबन्धनके ब्यानरमे रबिदिन पत्रकार सम्मेलन कऽ राजपा अध्यक्ष मण्डलके सदस्य तथा संघीय गठबन्धनके संयोजक महन्थ ठाकुर जेठ २९ गतेसँ चुनाव विरोधी चरणबद्ध आन्दोलनक कार्यक्रमके घोषणा कएलकअछि ।
घोषित आन्दोलनके कार्यक्रम अनुसार जेठ २९ गते देशभरिके जिल्ला सदरमुकामसभमे मसाल जुलुस प्रदर्शन करके, जेठ ३० , ३१ तथा अषाढ १ आ २ गते मधेस, थरुहट आ लिम्बुवान बन्द करके घोषणा कएलकअछि । व्याह् बीचमे हरेक स्थानीय तहमे निर्वाचनविरुद्ध माइकिङ करके, तालाबन्दी करके आ लाठी जुलुस प्रदर्शन करके समेत तय काएलगेलअछि ।
पत्रकार सम्मेलनमे ठाकुर अषाढ ३ आ ४ गते सब निर्वाचन केन्द्रसभमे सहीदसभके तस्बिर प्रदर्शन करके, ५ गते सब जिल्ला सदरमुकामसभमे लाठी जुलुस प्रदर्शन करके तथा अषाढ ६ सँ १४ गतेधरि निर्वाचन सम्बन्धी सब कार्यक्रम आ गतिविधिके अवरुद्ध करके तय कएने समेत जानकारी करौलनिअछि ।
अहिना कऽ अषाढ ८ गते सब जिल्लाके विभिन्न स्थानमे मोटरसाइकल र्याली निकालके तथा ९ गते मसाल जुलुस निकालके तय कएनेअछि तँ १० गतेसँ अनिश्चितकालिन आमहड्ताल करके ठाकुर बतौलनिअछि ।
सत्तारुढ दलसभ अषाढ १४ गतेके दोसर चरणके स्थानीय तह चुनावआगा राजपाके माग पूरा कऽर नै सकके प्रष्ट कएलाकऽबाद राजपासभ आन्दोलनके घोषणा कएनेअछि ।
राजपासभ संविधान संशोधन करऽपर्वाक, स्थानीय तहके संख्या बढाबऽपर्वाक, मधेस आन्दोलनमे घाहिल भेलसभके निःशुल्क उपचार करऽपर्वाक, मृतकके सहीद घोषणा करऽपर्वाक, बन्दीके रिहाई आ झुटा मुद्दा फिर्ता लेबऽपर्वाक लगायतक मागसभ रख्नेअछि ।
रबिएदिन सेहो राजपाके मनाब चुनावमे जएवाक प्रयासमे सत्तारुढ दलसभ वार्ता बजौलाकऽादो छलफल निष्कर्षविहिन भेलछल ।

Share.

Leave A Reply