राजपाके सहमतिमे निर्वाचन घुस्कौने कहबलासभ महामूर्ख अछिः राजेन्द्र महतोके कहब

0

अषाढ ४ गते,राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपालक नेता राजेन्द्र महतो दोसर चरणके चुनावमे कोनो हालतमे भाग नै लेबके बतौलनिअछि । प्रमुख तीन पार्टी आ सरकार मिलक देशके विखण्डन कऽर खोज्ने कहति ओ सभ ओयके रोक आन्दोलनमे गेल दाबी कएलनि ।
शनिदिन रिपोर्टर्स क्लब आयोजना कएने साक्षात्कारमे राजपाके नेता महतो कहलनि, ‘तीनदलसभ देशके भाँड् आ विखण्डन कऽर लग्लासँ बाध्य भऽक हमसभ शान्तिपूर्ण आन्दोलन सार्वजनिक कएनेछि ।’
पैघ दलसभ मधेश आ थरुहटके एक होब नै देबके षड्यन्त्र कऽरहल आरोप लगबति कहलनि यीसभ मुलुकके समस्यामे फसाबके काज कऽरहलअछि ।’
ओ प्रदेश नम्बर २ के निर्वाचनके मिति घुस्काबके निर्णयमे अपनसभक कोनो भिऽ सहमति नै रहल जिकिर कएलनि । सरकारके मुर्खके संज्ञा दैत कहलनि, ‘ २ नम्बर प्रदेश मात्र मधेश नै अछि ।

Share.

Leave A Reply