राजपाके नेतासभ देश टुक्र्याबके अभिव्यक्ति दऽरहल

0

जेठ २७गते,सरकार राष्ट्रिय जनता पार्टीके चुनावमे लाबऽ स्थानीय तह निर्वाचन ऐन संशोधन कएने एक दिन नै बितति राष्ट्रिय जनता पार्टीके नेतासभ देश टुक्र्याबके अभिव्यक्ति देलकअछि ।
शुक्रदिन राजविराजमे राजपाद्वारा आयोजित विरोध सभाके सम्बोधन करति राजपाके अध्यक्ष मण्डलके सदस्य राजकिशोर यादव मधेसके माग सम्बोधन बिना अषाढ १४ मे कहलगेल निर्वाचन कोनो भिऽ हालतमे होबहि नै सक्वाक दाबी करति सरकार जबजस्ती कऽर खोज्लक तँ देशके सिमांकन आ नक्सा परिवर्तन होएवाक स्थिति आबके चेतावनी देलनिअछि ।
राजपाके अध्यक्ष मण्डलके दोसर सदस्य राजेन्द्र महतो निर्वाचन ऐन संशोधनसँ मात्र नै हेवाक कहति संविधान संशोधन बिना चुनावमे भाग नै लेबके अडान दोर्होयौलनि ।
सभामे प्रमुख अतिथिके आसनसँ सम्बोधन करति ओे एने संशोधनसँ मात्र पार्टी चुनावमे जायके बातावरण नै बनल कहति स्थानीय तहके दोसर चरणके चुनाव अगाडिए संविधान सशोधन कएलक तँ मात्र चुनावमे सहभागी होबके स्पष्ट कएनेछलथि ।
संविधान संशोधन नै कऽ कराबऽलागल चुनावके मधेसमे कोनो औचित्य नै हेवाक ओ बतौलनिअछि ।
ओे कार्यकर्ताके राजपा घोषणा कएने आन्दोलन कार्यक्रमसभके गाउँ नगर आ वडासभमे शसक्त रुपमे लऽजायके निर्देशन सेहो देलनिअछि ।
कार्यक्रममे राजपके महासचिव मनिष कुमार सुमन, बरिष्ठ उपाध्यक्ष द्वय मृगेन्द्र कुमार सिंह यादव, नवलकिशोर साह, सहमहासचिव जय प्रकाश ठाकुर, माधुरी साह, पुष्पा ठाकुर लगायतसभ सेहो चुनाव प्रकृया तत्काल स्थगन कऽ संविधान संशोधन कऽक मात्र निर्वाचनके नयाँ मिति तय कऽर पर्वाक माग कएनेछलथि । कार्यक्रममे विभिन्न पार्टी परित्याग कऽ २ सय ५५ गोटे राजपामे प्रवेश कएनेछल ।

Share.

Leave A Reply