राजपाके काग्रेस चुनावसँ रोकिरहल एमाले सचिव भटटराईके आरोप

0

श्रावण १९ गते,नेकपा एमालेके सचिव योगेश भटटराई राजपा माग करति आएल संविधान संशोधन होबऽ सक्वाक संकेत देलनिअछि । संविधान कोनो जैड् नै अछि आवश्यकता आ औचित्यअनुसार संविधान संसशोन होएवाक बतौलनिअछि । जनकपुरमे बृहस्पतिदिन आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे भारतसाथेके रोटी बेटीके सम्बन्ध रहल चर्चा करति भारत नेपालके आन्तरिक मामिलामे हस्तक्षेप नै कर्वाक चाही कहनाई कि यी भारत विरोधी अछि कहि प्रश्न कएलनि।
प्रेस चौतारी धनुषा शाखा आयोजना कएने पत्रकार सम्मेलनमे एमालेके संगठन प्रचार विभाग प्रमुख समेत रहल सचिव भटटराई काग्रेस पार्टी राजपा पार्टीके सुरुएसँ स्थानिय तहके चुनावमे आबसँ रोक लगौने खुलासा कएलनि । ओ कहलनि राजपा निर्वाचनमे नै आएल खण्डमे राजपाके मत अपन पार्टीके अएवाक मनसायमे रहितो ओहन होबऽ नै देबके बतौलनि ।
एक दोसर प्रसङमे सचिव भटटराई राजपाके भविष्य आ जनमत चुनावसँ मात्र बाँचके भेलासँ अपन एजेण्डा सहित चुनावमे भाग लेबऽआग्रह कएलनि ।
ओ कहलनि एमालेके राजपासाथे लडाई कर्वाक कोनो तुक नै भेल बतबति विपक्षीसाथे एकता होएवाक संकेत करति स्थानिय तहके चुनावमे समेत एमालेसाथे सहकार्य होबऽ सक्वाक संकेत देलनिअछि । पत्रकार सम्मेलनमे नेकपा एमालेके सांसद शत्रुधन महतो , एमालेके धनुषा संयोजक राजकिशोर यादव सहितक नेतासभक उपस्थिती रहलछल ।

Share.

Leave A Reply