राजनीतिक आन्दोलनके नाममे हत्याराके उन्मुक्ति नै देब मानवअधिकार आयोगके माग

0

जेठ ५ गते,राजनीतिक आन्दोलनके नाममे हत्या आरोपीसभ उपरके मुद्दा फिर्ता लेबऽ सरकार तयारी कएने कहति राष्ट्रिय मानवअधिकार आयोग आपत्ति जनौलकअछि । आयोग शुक्रदिन विज्ञप्ति निकालिक जघन्य मानवअधिकार उल्लंघन घटनाके आरोपीसभके केकरो छुट नै देबके आग्रह कएलकअछि ।
आयोग शुक्रदिन विज्ञप्ति निकालिक २०७२ साल भदौमे कैलालीमे आठ सुरक्षाकर्मी आ एक नाबालकके जान गेल सम्बन्धमे उचित छानबिन कऽर आ आपराधिक घटनामे संलग्नके केकरो भिऽ उन्मुक्ति नै देबऽ आग्रह कएलकअछि । आयोग जघन्य अपराधमे संलग्नके उन्मुक्ति देनाई दण्डहीनताके प्रश्रय अछि कहति अयसँ मानवाधिकारके संस्कृतिके विकासमे मद्दत नै पहुँचके देखलगेल जनौलकअछि ।
मन्त्रीपरिषदके बृहस्पतिदिनके बैसारसँ कैलालीके टिकापुर लगायतक ठामँमे भेल हत्याके आरोपीसभके मुद्दा फिर्ता लेबके तयारी करके कानुन मन्त्रीके निर्देशन देनेछल । आयोग टिकापुर घटनाके सम्बन्धमे स्थलगत अनुसन्धान कऽ २०७३ फागुन २४ गतेके प्रतिवेदन देने ध्यानाकर्षण करबति आपराधिक घटनाके राजनीतिक आवरण देनाई गलत भेल जनौलकअछि । आयोगके प्रवक्ता मोहना अन्सारी आपराधिक घटनाके राजनीतिक आवरण देनाई गलत भेल बतौलनिअछि ।

Share.

Leave A Reply