राजधानीके डान्सबारमे नचति काल १९८ युवायुवती प्रहरीके फन्दामे

0

अषाढ १७ गते,राजधानीके एक डान्सबारसँ १९८ युवायुवती पक्राउ परलअछि । बालाजुस्थित हिमालय डान्सबारमे शनिदिन दुपहर मादक पदार्थके साथे नशालु पदार्थसमेत सेवन कऽक नचति काल ओय युवा युवतीसभके महानगरीय प्रहरी बृत्त बालाजुके टोली पक्राउ कएने महानगरीय प्रहरी परिसर काठमाडौंके एसएसपी छबिलाल जोशी जानकारी देलनिअछि ।
मादक पदार्थ आ नशालु पदार्थ सेवन कऽक डान्सबारमे नचति होहल्ला कएलाकऽबाद स्थानीय नागरिक समुहसभ प्रहरीमे उजुरी कऽर लगते प्रहरी ओतऽ पहुँचलछल । जोशीके अनुसार पक्राउ परबलासभमे ४० महिला आ १५८ पुरुष रहलअछि । ओ सब आठ कक्षामे पढ्बलासँ लऽक १२ कक्षमे पढ्बला उमेर समूहके रहलअछि ।
महानगरीय प्रहरी परिसर काठमाडौंके एसएसपी जोशी एनाक युवासभ दिनेमे मादक पदार्थ सेवन आ नशालु पदार्थ समेत सेवन कऽक डान्सबारमे भेटौलासँ समाज केहमर जाऽरहलअछि कहि संकेत कएने बतौलनि । ओ अयके नियन्त्रण कऽर अभिभावक सचेत बनपर्वाकमे जोड देलनि ।
अहिबीच पक्राउ परल सबके महानगरीय प्रहरी बृत्त बालाजुमे राखिक आफन्तसभके बजाऽकऽ सम्झा बुझाक पठौनेअछि ।

Share.

Leave A Reply