रसुवामे गाडी दुर्घटना, ७ गोटे घाहिल, उपचारक लेल हेलिकप्टर मार्फत काठमाडौं लाओलगेल

0

चैत्त–६ गते,रसुवाके टिमुरेमे पिकअप भ्यान दुर्घटना भेलासँ चालकसहित ७ गोटे घाहिल भेलअछि । टिमुरेसँ तातोपानीके लेल छुटल बा ८ च ७७७५ नम्वरके पिकअप भ्यान दुर्घटना भेलासँ रसुवागढी जलविद्युत आयोजना निमार्ण कऽरहल चिनिँया कम्पनी सि डव्लु इमे कार्यरत पाँच गोटे कर्मचारी आ दु गोटे स्थानीय सहित सात गोटे घाहिल भेलअछि । घाहिल होबबलामे रसुवाके सरमथलीके सवारी चालक टिकाराम तामाङ, सुर्खेतके सुरविर घर्ती, बर्दियाके भरत थारु, हरि प्रसाद थारु, रसुवाके थुमनके मिङमर गाल्जेन, पेमा डोल्मा आ चिनिया नागारिक झौ सिउ कौ घाहिल भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय रसुवा जनौलकअछि । घाहिल भेल सातु गोटेके उपचारक लेल हेलिकप्टर मार्फत काठमाडौं लाओलगेलअछि । घाहिल मध्ये ४ गोटेके अवस्था गम्भीर रहलअछि । दुर्घटनाके कारण खुज नै सकल प्रहरी जनौलकअछि ।

Share.

Leave A Reply