रसुवाके ९० प्रतिशत पानीमे दिसामे पाओलऽजायबला कोलिफर्मके जीवाणु भेटल

0

अषाढ ३१ गते,रसुवाके ९० प्रतिशत पिबएबला पानीमे कोलिफर्मके जीवाणु भेटलअछि । जिल्लाके पाँचटा गाउँपालिकाके विभिन्न स्थानमे कएलगेल परीक्षणसँ मानव स्वास्थ्यक लेल अत्याधिक हानिकारक दिसामे पाओलऽजायबला जीवाणु कोलिफर्म भेटलअछि । जिल्लाके पार्वतीकुण्ड गाउँपालिकाके गत्लाङ, नौकुण्डके भोर्ले आ सरमथली, गोसाइकुण्डके धुन्चे, स्याफ्रुबेशी कालिकाके कालिकास्थान आ उत्तरगया गाउँपालिकाके बोगटीटारमे रहल पानीके मुलमे परीक्षण कएनेछल ।
जिल्ला स्वास्थ्य कार्यालय रसुवा १० टा मुलसँ संकलन कएने पानीके नमूना परीक्षण कएलापर सब ठामँमे कोलिफर्म जीवाणु भेट्ल कार्यालय प्रमुख डा.झलक गौतम बतौलनिअछि ।
गौतमके अनुसार ‘नमुना स्वरुप पानीके मुल आ धाराके पानीके परीक्षण कएलापर १० प्रतिशत पिबएबला पानी मात्र सुरक्षित देखलगेलअछि ।
वर्षायाम सुरु होब लगते पानीके अवस्थाके सम्बन्धमे अध्ययन कऽर पानीके परीक्षण कएने कार्यालय जनौलकअछि । जिल्लाके अय वर्ष खुल्ला दिसामुक्त जिल्ला घोषणा कर्वाक तयारी भऽरहल बेर पिबएबला पानीमे मानव दिसामे पाओलऽजायबला जिवाणु कोलिफर्म देख्लासँ चिन्ताके बिषय भेल गौतमके कहब रहलअछि ।
पानीमे देखलगेल ‘कोलिफर्म’ जीवाणु मानव तथा पशुके दिसामे पाओलऽजायतअछि । पानीमे कोलिफर्मके मात्रा १० सँ बेसी पाओलाकऽबाद ओयमे रहल जीवाणु सक्रिय होबके भेलासँ पिबऽ अयोग्य मानलगेल ओे वतौलनिअछि ।
वर्षाके समयमे दुषित पानीसँ पेटझरी, सुलवाई, हैजा, किरा, जण्डिस लगायतक रोग महामारीके रुपमे देखा पर्लासँ कार्यालय पूर्वतयारी कएनेअछि ।

Share.

Leave A Reply