रतौली पुल नजदिक बस दुर्घटना, २५ गोटे घाहिल, चालक फरार

0

श्रावण १४ गते,महोत्तरीके भ्रमरपुरासँ जनकपुर अबतिकाल यात्रुबाहक बस दुर्घटना भेलासँ २५ गोटे यात्रु घाहिल भेलअछि । घाहिल मध्येमे दु गोटेके अवस्था चिन्ताजनक रहलअछि ।
शनिदिन दुपहर महोत्तरीके भ्रमरपुरासँ यात्रु लऽक जनकपुर अबतिकाल ना २ ख १५० नम्बरके बस रतौलीके पुल नजदिक सडक कातमे पल्टलअछि । बसमे रहल २५ गोटे घाहिल भेल आ ओकरसभक उपचार जनकपुरके जानकी हेल्थकेयरमे भऽरहलअछि ।
बस तिव्रगतिमे भेलाकऽ कारण अनियन्त्रित भऽक दुर्घटना भेल बसमे सवार यात्रुसभक कहबअछि । दुर्घटना होबसँ अगाडिए चालक कुदिक फरार भेल आ ओकर खोजी भऽहल प्रहरी जनौलकअछि ।

Share.

Leave A Reply