रघुनाथपुर गाउँपालिकामे माग रखैत स्थानियसभ अर्धनग्न जुलुस केलक प्रदर्शन

0

जेठ १४ गते , जनकपुरधाम ।
रघुनाथपुर गाउँपालिकाके माग राखि आन्दोलित भेल स्थानियबासिन्दासभ आई रवि दिन अर्धनग्न जुलुस प्रदर्शन केलक अछि । रघुनाथपुरके अपने अस्तित्व आ महत्व रहल कहैत राज्यपुर्रसंरचनाअनुसार हाल कायम भेल संरचनामे साविकके रघुनाथपुर गणेशमान चारनाथ नगरपालिका आ सवैला नगरपालिकामे विभाजन कँ मिलौने कहैत स्थानियबासिन्दासभ रघुनाथपुरके अल्गे गाउँपालिका घोषणा करके माग करैत आन्दालित अछि ।
करिब १४ हजार जनसंख्या रहल रघुनाथपुरके गाउँपालिका बनावके लेल प्रयाप्त रुपमे आधार रहलाक बादजुदो नेतासभके बेइमानीके कारणे रघुनाथपुरके अस्तित्वमे सखाप कर जका दु टा नगरपालिकामे रखला सँ अपनेसभ बाध्य भँ अल्गे गाउँपालिकामे माग राखि विभिन्न चरणके आन्दोलन अन्तर्गत आई रवि दिन अर्धनग्न जुलुस प्रदर्शन काएलगेल स्थानिय युवा नेता दिपेन्द्र साह जानकारी देलनि अछि ।
अपनासभक माग पुरा नहि होवधरि अपनेसभ आन्दोलनके जारी राखके संगहि जेठ ३१ गतेके चुनावमे सहभागिता नहि जनावके स्थानिय युवासभ चेतावनी दैइत आवि रहल अछि ।

Share.

Leave A Reply