मोर्चाद्वारा संसद् बैसार बहिष्कार

0

चैत८ गते,संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चासभ सोमदिन व्यवस्थापिका–संसद् बैसार सेहो बहिष्कार कएनेअछि ।बैसार सुरु होइृतके साथ मोर्चाक दिससँ सांसद डिम्पल कुमारी झा तराई–मधेसमे किछ दिनआगा सप्तरी आ नेपालगन्जमे भेल घटनाक सम्बन्धमे छानबिन समिति गठन कऽर माग कएलीअछि ।ओय घटनाप्रति दुःख व्यक्त करति ओ शान्तिपूर्ण आन्दोलनमे प्रहरी दमनके कारण मानवीय क्षति भेल आरोप सेहो लगौलीअछि ।वर्तमान प्रधानमन्त्री पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ नेतृत्वक सरकारउपर मधेस केन्द्रित दलसभ आशा कऽक समर्थन कएनेमे अपनासभके धोका देने बतबति सांसद झा सोमदिनके बैसारमे सेहो परिमार्जन सहितके संविधान संशोधन प्रस्तावके कार्यसूची नै आएल कहि आपत्ति जनौलीअछि ।संविधान संशोधनके सट्टा सरकार स्थानीय तहके निर्वाचनके बात कऽक मोर्चाके घाउमे नुन छिट्वाक काज कएने आरोप लगबति ओ कहली – “हमसभ सहमति आ वार्तामार्फत समस्या समाधान कऽर चाहैछि, हमसभ सहमति कऽक संविधानप्रति अपनत्व खोजिरहलबेर संशोधन प्रस्तावके राष्ट्रघाति कहने प्रति हमरासभके आपत्ति अछि ।”अपनेसभ देशभितरे अधिकार मागिरहल कहति सांसद झा सरकारके वार्ता आ संवादके माध्यमसँ समस्याके समाधान खोज्वाक लेल पहल कऽदेब सभामुखके आग्रह कएली । ओयके लगत्ते मोर्चासँ आबद्ध दलक नेतासभ नारा लगबति बैसारसँ बाहर निक्ललछल ।

 

Share.

Leave A Reply