मोर्चाके अवरोधसँ सप्तरीके मालपोत कार्यालयमे कामकाज होब नै सकल

0

चैत्र–१९गते,मधेसी मोर्चाके चेतावनीबाद सप्तरी मालपोतके नियमित काज कारबाही शुक्रदिनसँ ठप्प भेलअछि । नयाँ संरचना अनुसार कोनो भिऽ काम कारबाही नै कऽर नै कराब संयुक्त मधेसी मोर्चासभ बृहस्पतिदिन मालपोत कार्यालयके कर्मचारीसभके चेतावनी देनेछल ।मोर्चाक कार्यकर्तासभ मालपोत कार्यालयके प्रमुख दधिराम गुरागाईंके नयाँ संरचना अनुसार मालपोत सम्बन्धी कोनो भिऽ काज कारबाही कएलक तँ ओयसँ उत्पन्न होबबला परिस्थितिके जिम्मेवारी लेबपर्वाक कहति धम्की देलाकबाद शुक्रदिन कार्यालयमे कोनो भि कर्मचारी उपस्थित नै भेलछल ।मोर्चाक कार्यकर्तासभ भिन्सरेसँ कार्यालके मुल गेटेमे नारावाजी करति धर्नामे बैस्लाकबाद कर्मचारीसभ कार्यालय प्रवेश कऽर नै पओनेछल । कार्यालय परिसर भितर पैघ संख्यामे प्रहरी परिचालन कएलगेलछल । लेखापढि ब्यवसायीसभ समेत आन्दोलनमे उतर्लाकबाद सेवाग्राहीसभ समस्यामे परलअछि ।मालपोत कार्यालय सरकारके निर्देशन अनुसार नयाँ संरचना अनुसार ४ प्रतिशत कर उठाब सुरु कएलाकऽबाद मोर्चाक कार्यकर्तासभ पुराने संरचना अनुसार २ प्रतिशत मात्र राजश्व लेबके दवाव दईत आबिरहलअछि ।

Share.

Leave A Reply