मुग्लिन–नारायणगढ सडकखण्डमे भू स्खललन, बस आ जीप त्रिशुलीमे खसल

0

श्रावण १९गते,चितवनके मुग्लिन–नारायणगढ सडकखण्ड अन्तर्गत कालीखोला कहबला स्थानमे खसल भू स्खलनसँ यात्रु बस आ जीप दहौनेअछि ।
इच्छाकामना गाउँपालिका ६ कालिखोलामे खसल भू स्खलनसँ ना ६ ख ७१२१ नम्बरक बस आ बा १५ च ९३८१ नम्बरके स्कार्पिओ जीप दहाक त्रिशुली नदी कातमे खसौनेअछि । यात्रुसभ सकुशल रहल प्रारम्भिक विवरण प्राप्त भेल मुग्लिन प्रहरी जनौलकअछि ।
भू स्खलन खसल ठामँ मुग्लिनसँ नारायणगढदिस करिब ४ किलोमिटरके दूरीमे परतिअछि । साँझक समयमे भू स्खलन अएलासँ उद्धारमे समस्या भेलअछि ।
मुग्लिन नारायणगढ सडकखण्ड बिस्तारक काज जारी रहलासँ बेर बेर भू स्खलन अएलासँ सडक अवरुद्ध होईत आएलअछि । आय काईल ओय सडकके यात्रा जोखिमपूर्ण बनलअछि ।
प्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवा बुधदिन ओय सडकखण्डके स्थलगत निरीक्षण कएनेछलथि । सडक बिस्तारमे तिव्रता देवाक निर्देशन दैत ओ काजमे ढिलासुस्ती करएलक तँ कारबाही करके चेतावनी देलनिअछि ।

Share.

Leave A Reply