मिथिला सहिदसभके श्रद्धाञ्जली,जनकपुर बम विस्फोटके पाँच वर्ष

0

 

बैशाख १८ गते,पाँच वर्ष आगा रामानन्द चोकमे करौने बम विष्फोटमे परि जान गुमौने पाँच गोटे मिथिला सहिदके सोमदिन श्रद्धाञ्जली अर्पण कएलकअछि ।‘मिथिला प्रदेश’ नामांकरण करपर्वाक माग राखि मिथिला राज्य संघर्ष समितिके आह्वानमे २०६९ साल वैशाख १८ गते रामानन्द चोकमे शान्तिपूर्ण धरनामे बसिरहल बेर करौने बम विष्फोटमे परि पाँच सर्वसाधारणके मृत्यु भेलछल तँ ३३ गोटे घाहिल भेलछल । किछ घाहिल अखनो अङ्ग–भङ्ग अवस्थामे रहलअछि ।विष्फोटमे परि जनकपुर–८ वलवा टोलके ३५ वर्षिय विमल शरण, चर्चित अभिनेतृ रंजु झा, रिक्सा चालक तथा प्रचारक झगरु दास तथा जनकपुर–८ के सुरेश उपाध्यायके व्याह् दिन मृत्यु भेलछल तँ दीपेन्द्र दासके उपचारक क्रममे काठमाडौंमे मृत्यु भेलछल ।विष्फोटमे परि संघर्ष समितिके संयोजक परमेश्वर कापडि, नेपाली कांग्रेस जनकपुर नगर कमिटीके तत्कालीन सभापति धीरेन्द्र मोहन झा, जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघके अध्यक्ष शिवशंकर साह हीरा, रामानन्द युवा कमिटीके पूर्व अध्यक्ष रमेश ठाकुर, अध्यक्ष मनमोहन साह, स्टेशन एरिया युवा क्लवक तत्कालीन अध्यक्ष देवू यादव सहितक व्यक्तिसभ घाहिल भेल छल । १९ गोटे सिकिस्त घाहिलके थप उपचारक लेल काठमाडौं पठाब परलछल ।ओय शक्तिशाली बम रिमोट कन्ट्रोल मार्फत  विष्फोट करौने अनुसन्धानके क्रममे खुजलछल । सप्तरीके जयप्रकाश देवके स्थानीय युवकसभ रिमोटसहित पक्राउ कएलाकबाद घटना अनुसन्धानमे सहज भेलछल । देवके सूचनाके आधारमे पाछा महोत्तरीके जयप्रकाश साह सेहो पक्राउ परलछल ।घटनाके जिम्मेवारी जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चाक अध्यक्ष राजन मुक्ति तथा तत्कालीन सशस्त्र समूह सञ्चालन करति आएल अर्जुन सिंह कहबला मुकेश चौधरी लेनेछल । हाल राजन मुक्ति तथा मुकेश चौधरी दुनु पुर्पक्षमे जेलमे अछि । पक्राउ परल आरोपीसभके बयानके आधारमे निलम्बित सभासद संजय कुमार साह सेहो अय बम काण्डमे आरोपी बनौनेछल आ निलम्बित सांसद साह सेहो हाल पुर्पक्षमे जेलमे अछि ।मिथिला सहिदसभक पाँचम्ँं पूण्य तिथिके अवसरमे सोमदिन मिथिला राज्य संघर्ष समिति भिन्सर आयोजन कएने शोकसभाके पूर्वमन्त्री यदुवंश झा, साहित्यकार रोशन जनकपुरी, मैथिली विकास कोषके अध्यक्ष जीवनाथ चौधरी, पूनम चौधरी तथा संघर्ष समितिके अध्यक्ष परमेश्वर कापडि लगायतक वक्तासभ सम्बोधन कएनेछलथि ।समितिके अध्यक्ष परमेश्वर कापडि वर्तमान सरकार संघीयताके ग्यारेन्टी कएलाकबादो प्रदेश नम्बर २ के नामाकरण मिथिला प्रदेशके रुपमे करपर्वाक माग कएनेछलथि । ‘अय प्रदेशके नामाकरण मिथिला प्रदेश भेल तँ पाँचु गोटे शहिदके आत्माके शान्ति मिलत,’ कापडि बतौलनि ।

 

Share.

Leave A Reply