मिति घुस्कैलाकऽबादो संघीय गठबन्धन चुनावमे नै जायके संकेत, आन्दोलनक कार्यक्रम सार्वजनिक

0

जेठ १८ गते,सरकार दोसर चरणके चुनावके मिति घुस्कैलाकऽबादो राष्ट्रिय जनता पार्टी सम्बद्ध संघीय गठबन्धनसभ चुनावमे भाग नै लेबके संकेत देलकअछि । बुधदिन बैसल गठबन्धनके बैसारसँ आन्दोलनक नयाँ कार्यक्रम सार्वजनिक कएनेअछि ।
काठमाडौंके विजुलीबजारमे बैसल गठबन्धनके बैसारसँ बृहस्पतिदिनसँ २५ गतेधरि आन्दोलन परिचालन समिति गठन कऽक चक्काजाम करधरिके आन्दोलनक कार्यक्रम सार्वजनिक कएनेअछि ।
संविधान संशोधन लगायतक अपन माग पूरा नै कऽक सरकार चुनावके मिति घोषणा कएलाकऽबाद आन्दोलनक नयाँ कार्यक्रम सार्वजनिक कएने गठबन्धनके नेता मनिष कुमार सुमन जानकारी देलनिअछि । हुनक अनुसार जेठ १८ गतेसँ २१ गतेधरि लिम्बुवान, थरुहट, तराई आ मधेसक जिल्लामे आन्दोलन परिचालन समिति गठन कर्वाक निर्णय कएलकअछि । अहिना बैसारसँ जेठ २२ गते ओय जिल्लाके वडा टोलमे आन्दोलन सम्बन्धी अन्तरक्रिया करके, २३ गते गाउँपालिका आ नगरपालिकामे अन्तरक्रिया आ २४ गते विरोध सभा आयोजना करके तथा जेठ २५ गते दुपहर १ बजेसँ ३ बजेधरि ओय जिल्लामे चक्काजाम कर्वाक निर्णय कएलकअछि ।
अय एक हप्ताके बिचमे सरकारके चुनावके वातावरण बनाब समय देने आ सरकार वातावरण नै बनौलक तँ थप कडा आन्दोलनक कार्यक्रम सार्वजनिक कर्वाक नेता सुमन बतौलनिअछि ।

Share.

Leave A Reply