माग पूरा नै भेल कहति आंशिक प्राध्यापकद्वारा पेन डाउन

0

जेठ ७ गते,आंशिक प्राध्यापकसभ माग पूरा नै भेल विरोधमे त्रिभुवन विश्वविद्यालयके आंगिक क्याम्पसमे पठनपाठन बन्द अर्थात पेन डाउन करौनेअछि । अयसँ आगा सरकार आ त्रिभुवन विश्वविद्यालय अपनासभसाथे तीनबेर कएने सम्झौता कार्यान्वयन नै कएने प्रति शुक्रदिन आ शनिदिन प्रधानमन्त्री निवास बाहर धर्ना देलाकऽबादो प्रधानमन्त्री चाँईख नै देने कहति रबिदिनसँ आंगिक क्याम्पसमे नै पढौने संघके अध्यक्ष शशी कुमार शर्मा जानकारी देलनिअछि ।
रबिदिन त्रिभुवन विश्वविद्यालयके ६० टा आंगिक क्याम्पसमे आंशिक प्राध्यापकसभ अध्यापन नै करौने आ माग पूरा नै होबधरि अध्यापन नै कराबके ओे जानकारी देलनिअछि । देशभरिके १ हजारसँ बेसी क्याम्पसमे आंशिक प्राध्यापकसभ पेनडाउन कएलासँ त्रिविके आंगिक क्याम्पसके पठनपाठन प्रभावित भेलअछि ।
वषौसँ पढारहल आंशिक प्राध्यापकके प्रक्रिया पूरा कऽक करार करपर्वाक लगायत माग पूरा करपर्वाक संघके मागमे सरकार २०६५ सालसँ एमहर तीनबेर सम्झौता कएलाकबादो माग पूरा नै कएलासँ दु दिनधरि शान्तिपूर्ण धर्ना देलाकबादो प्रधानमन्त्री चाँईख नै देलाकबाद पेन डाउन करपरल संघके सदस्य नारायण कोइराला बतौलनिअछि ।
आन्दोलनमे तीनटा प्राध्यापक संघ ऐक्येबद्धता जनौनेअछि । प्रजातन्त्रबादी प्राध्यापक संघ, प्रगतिशिल प्राध्यापक संघ आ राष्ट्रिय प्राध्यापक संगठनसभ आंशिक प्राध्यापक संघके मागमे ऐक्यवद्धता जनौनेअछि ।
रबिदिन धर्नास्थलमे जाऽक प्रजातन्त्रबादी प्राध्यापक संघके अध्यक्ष जगत तिमिल्सिना आ महासचिव राजेन्द्र गौतम, प्रगतिशिल प्राध्यापक संघके अध्यक्ष प्राध्यापक यादव प्रकाश लामिछाने आ राष्ट्रिय प्राध्यापक संगठनके अध्यक्ष रमेश भट्टराई घर्नास्थलेमे जाऽक आंशिक प्राध्यापक संघके मागमे ऐक्यबद्धता जनौनेअछि ।
सरकार अपनेसँ कएने सहमति कार्यान्वयन नै कऽक प्राध्यापकके बौद्धिक शोषण कएलासँ तत्काल प्रक्रिया पहुँचाक ओकरसभक माग पुरा करपर्वाक तीनु प्राध्यापक संघके अध्यक्षसभ बतौलनिअछि ।

Share.

Leave A Reply