माओवादी केन्द्रके सांसद योगेन्द्र घिसिङ पार्टीसँ निस्कासित

0

 

बैशाख २० गते,माओवादी केन्द्रक सांसद योगेन्द्र घिसिङ तामाङ पार्टीसँ निस्कासनमे परलअछि ।पार्टी नीति, विधिविपरीत काज कएने कहति माओवादी केन्द्रके ललितपुर जिल्ला कार्यसमिति घिसिङके साधारण सदस्यसमेत नै रहजका हटौलकअछि । पार्टी नीति, विधि विपरीत स्थानीय तह निर्वाचनमे बागी उम्मेदवार उठाबके,  पार्टीके हितविपरीत गतिविधि जारी रख्लासँ बुधदिन बैसल जिल्ला कार्यसमिति बैसारसँ घिसिङके पार्टीसँ निस्कासन कएने माओवादी ललितपुरके इञ्चार्ज हरि दाहाल जानकारी करौलनिअछि । घिसिङ ललितपुर जिल्लाके सचिवालय सदस्य छथि । घिसिङ अपनाके निस्कासन कएने विज्ञप्ति पढ्लाकबाद मात्र प्रतिक्रिया देवाक बतौलनि ।  ओ माओवादी केन्द्रके समानुपातिक दिस  सांसद छथि । हुनका निस्कासन कएने सम्बन्धी पार्टी केन्द्रमे लजएवाक इञ्चार्ज दाहाल बतौलनि ।माओवादी संसदीय दलक प्रमुख सचेतक टेकबहादुर बस्नेत सांसद घिसिङके कारबाही कएने सम्बन्धी अपनाके औपचारिक जानकारी नै आएल बतौलनि ।

 

 

 

Share.

Leave A Reply