महोत्तरी जिल्लाके बर्दिवासमे एकीकृत नमुना मुसहर बस्ती निर्माणक लेल सहयोग

0

चैत–६ गते,प्रवासी नेपाली मञ्च, स्पेन शाखा शनिदिन महोत्तरी जिल्लाके बर्दिवासमे एकीकृत नमुना मुसहर बस्ती निर्माणक लेल तीन लाख तीन हजार ६ सय ७० रुपैयाँ सहयोग स्वरुप हस्तान्तरण कएनेअछि ।स्पेनमे रहल नेपालीसँ सङ्कलित ओे रकम नमुना बस्ती परियोजनास्थलमे आयोजित एक कार्यक्रमबीच मञ्चके स्पेन शाखाके संस्थापक अध्यक्ष पुष्प तिमिल्सिना आ कोषाध्यक्ष दिनेश रेग्मी बस्ती निर्माण कऽरहल धुर्मुस–सुन्तली फाउन्डेसनके अध्यक्ष हास्यकलाकार धुर्मुस उर्फ (सीताराम कट्टेल)के संयुक्तरुपमे हस्तान्तरण कएनेअछि ।कार्यक्रममे मञ्चके संस्थापक अध्यक्ष तिमिल्सिना फाउन्डेसन राष्ट्रिय एकता आ आपसी सद्भाव वृद्धिसँगे गरिबके उत्थानक लेल कएने प्रयत्न प्रशंसनीय भेल बतौलनि । हास्यकलाकार धुर्मुस संसारभरि छिरियाक रहल मनकारी नेपाली आ अन्य सहयोगीके साथ पाबिएक अपने मुसहर बस्ती निर्माणमे जुटल बतौलनि । ओय कार्यक्रममे बर्दिवास–१ के देवेन्द्र गौतम बस्ती निर्माणमे अपनादिससँ एक लाख २५ हजार १०१ फाउन्डेसनके अध्यक्ष धुर्मुसके हस्तान्तरण कएनेछलथि ।गत पुस २५ गतेसँ निर्माण सुरु भेल नमुना बस्ती निर्माणके अनुमानित लागत चारि करोड ३८ लाख रहलअछि । बस्ती निर्माणके कार्य चैत मसान्तमे सैकक आबबला नयाँ वर्षके दिन मुसहरसभके हस्तान्तरण कर्वाक फाउन्डेसन अयसँ अगे घोषणा कऽचुकलअछि ।नमुना बस्तीमे ५० मुसहर परिवारके लेल बिजुली, पिवयबला पानी, शौचालय, सडक सुविधासहितक अपाङ्गमैत्री, बालमैत्री आ वातावरणमैत्री भूकम्प प्रतिरोधी घर बनल धुर्मुसके कहबअछि । घर निर्माणके कार्य लगभग ८० प्रतिशत सम्पन्न भऽचुकल फाउन्डेसन जनौलकअछि ।

 

Share.

Leave A Reply