महोत्तरीके भरतपुरमे इनार सुखलासँ स्थानियसभके समस्या

0

बैशाख—२८गते,पिवयबला पानीके लेल एकमात्र उपाय इनार रहल महोत्तरीके भरतपुरमे ५० टा सँ बेसी इनार सुखलअछि ।  भौगोलिक दृष्टिकोणसँ विकट मानलगेल ओतँ गर्मी अएवाक साथ पानीके सतह घटल आ बहुतो निचा गेल भरतपुरमे रहल १०० टा इनार मध्ये ५०÷६० टा इनार पूर्णरुपमे सुखलअछि तँ बाँकी इनारके पानी समेत पाताल लागल स्थानीयसभ बतौलकअछि ।किछ दिनसँ कडा घाम आ प्रचण्ड गर्मीके कारण जिल्लाके उत्तरवर्ती क्षेत्रमे अवस्थित ओय गाउँके ५०÷६० टा इनार सुख्लाकबाद ओतँ पानीके हाहाकार रहल पूर्व गाविस अध्यक्ष गङ्गाप्रसाद महतो बतौलनिअछि ।ओय गायँके ५०÷६० टा इनार एकेबेर सुख्लासँ ओतँ पिबयबला पानीके विकराल समस्या उत्पन्न भेल आ ओय इनारसँ एक घैला पानी सेहो निक्लके अवस्था नै रहल स्थानीय जीवछ महतो बतौलनिअछि ।पानीके हाहाकार मच्लाकबाद ओतके प्रत्येक परिवारसँ एकगोटे सदस्यसभ विगत १५÷२० दिनसँ दिनभरि पिवयबला पानीके खोजीमे पडोसी गाउँ आ नदी नालामे जायपरल स्थानीयसभ बतबतिअछि । ओकरासभक अनुसार ओतके कोनो भि इनारमे पानी नै अछि आ एक घैला पानीके लेल पडोसी गाउँ वा समूह बनाबिक नजदिकके सहर बजारसँ पानी किनक लाबपरतिअछि ।पानीके अभावमे ओय गाउँके बासिन्दासभ कहुनाक खाना पकौने आ पानी पिबति आएलअछि तँ नहएवाकलेल, कपडा धोएवाकलेल तथा मालजालके खुएवाक जेहन कार्य हप्तामे दु तीन बेर मात्र करति आएल पूर्व गाविस सचिव महेश्वर महतो बतौलनि ।ओय गाउँमे पडोसीके पाँचटा गाउँ मिलक बहुतो पहिने जडान करौने दु टा डिप बोर्डिङ सेहो खराब भऽक सञ्चालनमे नै रह्लासँ स्थानीयके पानीके जोगारक लेल पडोसी जिल्ला सर्लाहीके सहर बजार आ पाँचसँ सात किलोमिटर दूरीधरि रहल पडोसी गाउँके नदी नाला आ इनारमे जायपर्वाक बाध्यता रहल पूर्व गाविस सचिव महतो बतौलनिअछि ।अय क्षेत्रके किसाननगर, बिजलपुरा, हात्तीलेट, लक्ष्मीनियाँ, बेलगाछी, पशुपतिनगर तथा बर्दिवास आ गौशाला नगरपालिका सहितक स्थानमे सेहो पिवयबला पानीके हाहाकार भेल स्थानीय बासिन्दासभ बतबतिआएलअछि ।

 

Share.

Leave A Reply