महोत्तरीके बर्दिवास नगरपालिकामे विभिन्न पार्टी परित्याग कऽ १५० गोटे नेपाली काँग्रेसमे कएलक प्रवेश

0

श्रावण १९ गते,नेपाली काँग्रस बर्दिवास नगरसमिती बृहस्पतिदिन महोत्तरीके बर्दिवासमे पार्टी प्रवेश कार्यक्रमके आयोजना कएलकअछि । नेपाली काँग्रेस नगरसमितीके सभापति वाणिकराज काफ्लेके सभा अध्यक्ष्यता तथा नेपाली काँगे्रसक महामन्त्री सशाङ्क कोइरालाके प्रमुख आथित्यतामे भेल कार्यक्रममे नेपाली काँग्रेसक पूर्व सचेतक सौभाकर पराजुली, सँसद सँगीता मण्डल, पूर्व सँसद शिवधारी यादव, केन्द्रीय सदस्य कल्याण गुरुङ, महासमिती सदस्य चिरञ्जीवि हमाल,केशव पोखरेल,रामचरित्र पञ्जियार,जिल्ला सदस्य विन्देश्वर साह, विनोद बराल, मोहन पाख्रिन,तरुण दल, नेर्विसँघ लगायत नेपाली काँग्रेसक भातृ सँगठनके नेता तथा कार्यकर्तासभक सहभागीता रहलछल ।
कार्यक्रममे अपन मन्तव्य रखति महामन्त्री कोइराला देशके लम्बा प्रजातान्त्रिक इतिहास बोक्ने पार्टी नेपाली काँग्रेस राष्ट्र आ राष्ट्रिर्यता प्रजातन्त्र, समाजवादप्रति समर्पित भेलासँ जनताक अधिकार सुनिश्चित कऽर नेपाली काँग्रेसके विजय अपरिहार्य रहल बतौलनिअछि । ओ आब जनताके घरदुहाईरधरि अपन पार्टीके विचारसभक लेल प्रदेश नम्बर २ के स्थानीय निर्वाचनमे नेपाली काँग्रेसके प्रदेशेके पहिल पार्टी बनाब पर्वाकमे जोड देलनि ।
कार्यक्रममे माओवादी केन्द्र,तमलोपा,एमाले लगाएत विभिन्न पार्टी परित्याग कऽ एक सय पचास गोटे नेपाली काँग्रेसमे प्रवेश कएनेअछि । जयमे उद्योग वाणिज्य सँघ बर्दिवासके उपाध्यक्ष विजय कुमार महत्तो, होटल व्यवसायी सँघ महोत्तरीके सचिव सुदिप कार्की, कुमार कोइराला, दिपक कोइराला, दिनेश कार्की, वैद्यनाथ महत्तो, रामप्रताप महत्तो लगायतके रहलअछि । बर्दिवासके गौतम होटलमे भेल प्रवेश कार्यक्रममे नेपाली काँग्रेक जिल्ला सदस्य विन्देश्वर साह स्वगत मन्तव्य देनेछलथि तँ तरुण दल बर्दिवासके नगर सभापति विनोद ढुङ्गेल कार्यक्रमके सञ्चान कएनेछलथि ।

Share.

Leave A Reply