महोतरीके पशुपतिनगरमे पानीके अभाव,ईनारसभ सुखलागल

0

चैत–६ गते,महोतरीके पशुपतिनगरमे पानीके अभाव भऽरहलअछि । गर्मी सुरु होेबऽ लगते गाउँवासीसभके पानीके समस्यासँ जुझ पैररहलअछि ।पशुपतिनगर गाविसके वडा नं १,२,३, आ ४ मे ईनारसभ सुऽख लागलअछि जयके चल्ते आवश्यक्ता अनुसारके पानी गाउँवासीसभ पाव नै सकिरहलअछि । हाल पशुपतिनगर गाविस नगर पालिकामे परिणत भेलाकऽबादो ओतुका नगरपालिकाके कोनो पूर्वाधार नै रहल स्थानियसभक कहबअछि । मुद्दा गाउँवासीसभ नगरपालिका बन्लाकबाद किछ विकास हेवाक आशा रख्नेअछि ।पशुपतिनगरमे ओना देखल जाय तँ मुख्य बाटसभ २५ फिटके रहितो गाउँवासीसभ सडकेपर माल जाल ,गाई वस्तुसभ बान्हिक सडक अवरोध करके साथे सडकेपर गिट्टि बाउलसभ राखिक बाट अवरोध कएने देखल गेलअछि तँ नालाके ओहने समस्या रहलअछि । जाऽधरि गाउँवासीसभ अपनेमे विकासक चेतना नै जगाओत ताधरि नगरपालिका बन्लाकबादो किछ होब नै सक्वाक स्थानियवासी सुरेन्द्र महतो बतौलनिअछि ।

Share.

Leave A Reply