महोतरीके गौशलामे नवनिर्मित शव भवन हस्तान्तरण होबऽ नै सक्लासँ प्रयोगविहीन

0

श्रावण १८गते,प्राथमिक स्वास्थ्य चौकी, गौशालामे शव परीक्षण भवन निर्माण भेल छ महिना बित्लाकबादो हस्तान्तरण होबऽ नै सकलअछि । हस्तान्तरण होबऽ नै सक्लासँ नवनिर्मित भवन प्रयोगविहीन बनलअछि ।
स्वास्थ्य मन्त्रालयके रु. ७० लाख आर्थिक सहयोगमे निर्माण भेल शव परीक्षणके नवनिर्मित भवन हस्तान्तरण नै भेलाकऽबाद प्रयोगविहीन बनल प्राथमिक स्वास्थ्य चौकी, गौशालाके डा अभिशेष कुमार मल्लिक बतौलनिअछि ।
प्राथमिक स्वास्थ्य चौकीके परिसरमे रु. ७० लाखके लागतमे निर्मित ओ पक्की भवन निर्माण भेल महिनौं बित्लाकऽबादो समेत स्वास्थ्य चौकी व्यवस्थापनके बेवास्ताक कारण हस्तान्तरण होबऽ नै सकलअछि । घटना, दुर्घटनामे परी मृत्यु भेलसभके शव परीक्षणक लेल सुविधासम्पन्न शव परीक्षण भवन निर्माण भेलरहितो सञ्चालनमे आबऽ नै सकलअछि ।
गौशालामे शव परीक्षण सम्भव नै भेलाकऽबाद जलेश्वर पठबति आएल इलाका प्रहरी कार्यालय गौशालाके प्रहरी निरीक्षक शम्भु पोखरेल बतौलनिअछि ।
आफन्त, घर परिवारके अकालमे मृत्यु भऽक समस्यामे परल बेर पैसाबलासभ कहुनाकऽ शव परीक्षणक लेल गाडीके व्यवस्था करतिअछि । मुद्दा गरिबक लेल जलेश्वर आवतजावत कएलापर शोकमे आओर दोसर समस्या थपाजायतअछि । शव परीक्षण कक्ष सञ्चालनमे अएलापर जिल्लाके पश्चिमी क्षेत्रके सेवाग्राहीसभ सुलभरुपमे सेवा लेबऽसकत ।

Share.

Leave A Reply