महाअभियोग प्रस्ताव तत्काल फिर्ता कऽर सङ्घीय समाजवादीके माग

0

 

बैशाख १८ गते,सङ्घीय समाजवादी फोरम नेपाल प्रधानन्यायाधीश सुशीला कार्कीविरुद्ध दर्ता भेल महाअभियोगके संवैधानिक सर्वोच्चता आ विधिके शासनउपर सुनियोजित हमला कहलकअछि ।अध्यक्ष उपेन्द्र यादव सोमदिन एक विज्ञप्ति मार्फत प्रधानन्यायाधीश कार्कीविरुद्ध नेपाली काँग्रेस आ नेकपा (माओवादी केन्द्र) द्वारा व्यवस्थापिका–संसद् सचिवालयमे दर्ता करौने महाअभियोगके प्रस्ताव सरकार (कार्यपालिका) स्वतन्त्र न्यायपालिकाउपर नियन्त्रण आ सर्वोच्च अदालतके न्यायिक स्वतन्त्रताउपरके सिधा हस्तक्षेप भेल उल्लेख कएनेअछि । सत्तामे रहल व्यक्तिसभ गैरकानूनी तरिकासँ अपन व्यक्तिगत, गुटगत आ दलगत स्वार्थ परिपूर्ति कर्वाक लेल राजकीय सत्ता आ शक्तिके दुरुपयोग कऽ स्वतन्त्र न्यायालयके प्रभाव पारनार्ई वा पार खोज्नाई अत्यन्ते गैरलोकतान्त्रिक चरित्र आ व्यवहार भेल विज्ञप्तिमे जनाओलगेलअछि । ओ पार्टी ओ महाअभियोग प्रस्ताव तत्काल फिर्ता लऽक न्यायालयके स्वतन्त्रताके सम्मान कऽरके माग कएलकअछि ।

Share.

Leave A Reply