मनोमानी शुल्क बढौने कहति विद्यार्थी संगठनद्वारा आन्दोलनके कार्यक्रम घोषणा

0

बैशाख १२ गते,निजी विद्यालयसभ मनोमानी रुपमे बढौने शुल्क फिर्ता लेबके माग करति संयुक्त विद्यार्थी संगठनसभ आन्दोलनके कार्यक्रम सार्वजनिक कएलकअछि ।अनेरास्ववियु, नेपाल विद्यार्थी संघ, अखिल क्रान्तिकारी लगायतक ८ विद्यार्थी संगठनसभ काठमाडौंमे पत्रकार  सम्मेलन कऽक कानुनविपरित बढौने बेसी शुल्क फिर्ताके माग करति आन्दोलन शुरु कएनेअछि  ।मंगलदिन देशभरिके शिक्षा कार्यालय घेराउ करके, बुधदिन शुल्क बढाबबला विद्यालयके प्रशासन आ लेखा शाखामे तालाबन्दी करके आ १४ गते बृहस्पतिदिन प्यावसन आ एनप्यावसनके सब कार्यालयमे तालावन्दी कर्वाक निर्णय कएने अनेरास्ववियुके सचिव आरसी लामिछाने जानकारी करौलनिअछि।अहिना विद्यार्थी संगठनसभ जेठ १८ गते स्ववियु चुनाव होबऽनै सकल क्याम्पसमे जेठ मसान्तबाद कऽर त्रिविके ध्यानाकर्षण कराबके आ काठमाडौं उपत्यकाके सब क्याम्पसमे स्नातकोत्तर तहमे पर्याप्त तयारी कऽक मात्र सेमेष्टर प्रणाली लागु कऽर ध्यानाकर्षण करौलकअछि ।

 

Share.

Leave A Reply