मधेस केन्द्रित दलके साझा उम्मेदवार बनाब उपेन्द्र यादवके प्रस्ताव

0

जेठ ७ गते,संघीय समाजवादी फोरमक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव स्थानीय निर्वाचनमे मधेसी मोर्चाके साझा उम्मेदवार बनाबके प्रस्ताव कएलनिअछि । मधेसी जनताके अधिकार प्राप्त कऽर सेहो मधेसी मोर्चा एकतावद्ध भऽक दोसर चरणके निर्वाचनमे जायपर्वाक ओ बतौलनि ।
रबिदिन जनकपुरमे पत्रकारसभसाथे बातचित करति यादव मधेस विरोधी शक्तिके पराजित कऽर सेहो मधेस केन्द्रित दलसभ स्थानीय तहके निर्वाचनमे साझा उम्मेदवार बनाबपर्वाक बतौलनि ।
मधेस केन्द्रित दलसभ एकताबद्ध नै भेल तँ मधेसके माग सम्बोधन नै हेवाक हुनक कथनछल ।
प्राप्त उपलब्धिके संस्थागत कऽर आ थप उपलब्धि प्राप्त कऽर स्थानीय तहके निर्वाचनमे भाग लेबपर्वाक बतौलनि । ओ स्थानीय तह निर्वाचनके अधिकार पाबबला आन्दोलनके कडीके रुपमे लेने ओ बतौलनिअछि ।

Share.

Leave A Reply