मधेस आन्दोलनमे १८ जिल्लासँ १५ सय उजुरी

0

 

बैशाख १९ गते,तराई मधेस आ थरुहट क्षेत्रमे विभिन्न राजनीतिक दलसभ कएने आन्दोलनक क्रममे घटनाके छानविन कऽर बनल उच्चस्तरीय जाँचबुझ आयोगमे १८ जिल्लासँ करिब १५ सय उजुरी परलअछि ।घटनाके अध्ययनके क्रममे दाङ पहुँचल आयोगक टोलीसभ सोमदिन घोराहीमे पत्रकार सम्मेलन कऽ ओ जानकारी देलकअछि । दाङ जिल्लासँ ९टा उजुरी आयोगमे परलअछि ।आन्दोलनक क्रममे भेल हत्या, हिंसा, मारपिट आ आगिजनी लगायतक घटनाके सत्यतथ्य छानविन कऽर बनल उच्चस्तरीय आयोगक अध्यक्ष गिरिशचन्द्र लाल उजुरी देनेसभके भेटक घटनासम्बन्धी जानकारी लेवाक काज भऽरहल बतौलनि । ओ अखनधरि ९ जिल्लाके पीडितसभसाथे भेट कऽचुकल जानकारी करौलनि ।आयोग २०७२ साल साउन २ गतेसँ २०७३ साल आश्विन १ गते धरिके घटनासभके अध्ययन कऽरहल आ सब पीडितसभके भेटक प्रतिवेदन बनाबके आयोगक सदस्य पूर्व ए आइ जी नवराज ढकाल जानकारी देलनिअछि ।आयोगके प्रारम्भिक अध्ययनके क्रममे दलसभ आ प्रशासन दुनुके दिससँ कमजोरी भेलासँ क्षति भेल पाओलगेलअछि ।

 

Share.

Leave A Reply