मधेसमे राजपा आ फोरमबिच मुठभेडके खतरा, दुरी बढैत जारहल

0

असार १ गते,स्थानीय तहके दोसर चरणके चुनावके लऽक मधेसवादी दलबिच दुरी बढ् लागलअछि । विगतेसँ संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चा एवं संघीय गठबन्धनमे एकवद्ध भऽक आन्दोलनके कार्यक्रम करति आएल संघीय समाजवादी फोरम आ ६ टा दल एकीकृत भऽक राजपा नेपालबिच चुनावके विषयके लऽक मतान्तर बढ् लागलअछि ।
प्रमुख तीन दल नेपाली कांग्रेस, नेकपा एमाले, नेकपा माओवादी केन्द्र आ नयाँशक्ति लगायतक दलसँ राजपा संघीय समाजवादी फोरमउृपर आक्रामक अछि । संविधानमे प्राप्त उपलब्धिके जोगाबके कहिक अन्तमे चुनावमे भाग लेने संघीय समाजवादी फोरम नेपाल आ विना संविधान संशोधन चुनाव होबऽ नै देबके कहति ओयके भाँड् आन्दोलनमे उत्रल राजपा नेपालके नेता कार्यकर्ता एक दोसर प्रति आक्रामक समेत बन लागलअछि ।
राजपा नेपाल आह्वान कएने तराई मधेस बन्दके दोसर दिन बुधदिन जनकपुरके पिडारीचोकमे रहल संघीय समाजवादी फोरमके प्रदेश नं. २ के कार्यालयमे राजपा नेपालसभ पथराव कएलाकबाद दुनु पार्टीके नेताकार्यकर्ता बिच झडपके स्थिति सृजना भेलछल ।
दोसर चरणके चुनावक लेल उम्मेदवार चयन कऽर फोरमके नेता कार्यकर्ता पार्टी कार्यालय भितर छलफलमे भेल बेर राजपाके नेताकार्यकर्तासभ प्रदर्शन करति पार्टी कार्यालय घेराउ कएलाकऽबाद तनाव उत्पन्न भेलछल । प्रहरी कडा सुरक्षा देलाकऽबाद दु तर्फी झडप होबसँ रोकाएलछल । फोरमक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव चुनावमे भाग लऽक मधेसी जनताके धोका देने आ हुनक बर्तमान अभिव्यक्ति मधेसी जनताउपरके बज्रपात भेलासँ विरोध करति पार्टी कार्यालय घेराउ कऽर पहुँचल रजपाके नेतासभ बतौलकअछि ।

Share.

Leave A Reply