मधेशी मोर्चा आई जनकपुरमे लाठी जुलुस प्रदर्शन करत

0

बैशाख ७ गते । जनकपुरधामा
दिपेन्द्र प्रसाद सिंह

संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेशी मोर्चाके पूर्वघोषित कार्यक्रम अनुसार आई जनकपुरमे मोर्चाके नेतासभ लाठी जुलुस प्रदर्शन करके तयारी कैने अछि । मोर्चाके नेता चन्देश्वर महतो दैने जानकारी अनुसार आई बृहस्पैत दिन जनकपुरक रामानन्दचौकस्थित दिनके १ बजे सँ लाठी जुलुस प्रदशर्न करके जनौने छथि ।
मोर्चाके पूर्वघोषित कार्यक्रमअनुसार आई जनकपुरमे सेहो लाठी जुलुस प्रदर्शन करके तयारी काएल जाँ रहल नेता महतो जानकारी दैने छथि । मोर्चा लाठी जुलुस प्रदर्शन करवालेल सम्पूर्ण तयारी पुरा कँ चुकल बतौने अछि ।
आइके लाठी जुलुस प्रदर्शनमे हजारौके संख्यामे मोर्चामे आवद्ध नेता कार्यकतासभके सहभागिता रहवाक मोर्चाके धनुषा संयोजक प्रमोद यादवके दावा अछि ।

Share.

Leave A Reply