मतदान केन्द्रधरि जएवाकलेल सडक आ पुलके मर्मतकर निर्वाचन आयोगके आग्रह

0

निर्वाचन आयोग प्रदेश नं २ मे आश्विन २ गतेक लेल तय स्थानीय तहके निर्वाचन कार्यक्रम शुरु होबसँ अगाडिए ओय क्षेत्रमे कायम भेल मतदान केन्द्रधरि जाएबला सडक आ पुलके मर्मत कऽर सरकारसँ आग्रह कएलकअछि ।
आयोगक पदाधिकारीसभ किछ दिनआगा ओय क्षेत्रमे कएने निरीक्षण भ्रमणक क्रममे देखलगेल समस्याबारे कार्यबाहक प्रधानमन्त्री विजयकुमार गच्छदारके जानकारी करबति आयोग एहन आग्रह कएलकअछि ।
प्रदेश नं २ के आठ जिल्लाके १३६ स्थानीय तहमे होबबला निर्वाचनक लेल याह् भदौ १२ गते निर्वाचन अधिकृत खटत । ओयसँ अगाडिए मतदान केन्द्रधरि जायबला बाट सञ्चालन कऽर आयोग सरकारके ध्यानाकर्षण करौलकअछि ।
आयोगक पदाधिकारीसासाथे छलफल कऽर कान्तिपथ स्थित निर्वाचन आयोग पहुँचल कार्यबाहक प्रधानमन्त्री गच्छदार आयोग उठौने विषयके सकारात्मक आ गम्भीररुपमे लऽक सरोकार राखबला निकायसभसाथे छलफल कऽक मतदान अधिकृत, उम्मेदवार आ मतदाताके सहजरुपमे मतदान केन्द्रधरि जाय सक्वाक व्यवस्था मिलाबके प्रतिबद्धता जनौनेछलथि ।
छलफलबाद सञ्चारकर्मीसभ साथे बातचित करति कार्यबाहक प्रधानमन्त्री गच्छदार हाले आएल वर्षा आ बाढीसँ ओय क्षेत्रमे सडक ढाहके साथे पुल दहौलासँ मतदाताके मतदान केन्द्रधरि आबमे कठिनाइ भेल आ ओयके मर्मत कऽ सञ्चालनमे लाबके काजके सरकार उच्च प्राथमिकता देवाक जानकारी करौलनि ।
प्रदेशसभा आ प्रतिनिधिसभा निर्वाचन सम्बन्धी ऐन जल्दी पारित होय कहि आयोगके मागमे केन्द्रित रहिक प्रधानमन्त्री, सभामुख आ अपनाबीच छलफल भेल ओे जानकारी करौलनि ।
कार्यबाहक प्रधानमन्त्री गच्छदार कहलनि, “कानून जल्दी पारित करब । सरकार प्रदेश आ प्रतिनिधिसभाके निर्वाचन मंसिर १० गतेक लेल घोषणा कऽचुकलअछि । आयोग मंसिर ४ आ २१ गतेके लेल प्रस्ताव कएनेछल, ओयमे आयोगके किछ कहवाक अछि तँ स्पष्ट करि सकतिअछि । मुद्दा मंसिर १० मे निर्वाचन होईबे करत ताहिमे सरकार प्रतिबद्ध अछि ।”

Share.

Leave A Reply