मंसिरभितरे संघ आ प्रदेशके निर्वाचन करैवाक सरकारके योजना

0

श्रावण २० गते,गृहमन्त्री जनार्दन शर्मा आबबला मंसिर महिनाभितरे संघ आ प्रदेशके निर्वाचन शान्तिपूर्ण तरिकासँ सम्पन्न कर्वाक योजनामे सरकार रहल बतौलनिअछि ।
नेपालक लेल जापानी राजदूत मासासी ओगावासाथे गृह मन्त्रालयमे बृहस्पतिदिन भेले शिष्टाचार भेटमे राजदूत ओगावा दोसर चरणके स्थानीय निर्वाचन शान्तिपूर्ण ढंगसँ सम्पन्न कएनेमे गृहमन्त्री शर्माके बधाई दैत तेसर चरणक स्थानीय, प्रदेश आ प्रतिनिधिसभा निर्वाचन सेहो शान्तिपूर्ण तरिकासँ सम्पन्न कराब शुभकामना देलनिअछि ।
गृहमन्त्री शर्मा भैरहवामे निर्माण भऽरहल गौतमबुद्ध अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल सञ्चालनमे अएलाकऽाद जापानक बौद्ध धर्मावलम्बीके आगमन आओर सहज होएवाक बतौलनिअछि । ओ जापानी अनुभवके आधारमे उद्धार कार्यमे स्थानीय जनताके समेत सहभागी कराबके योजना रहल बतौलनिअछि ।

Share.

Leave A Reply