भोट माग्वाक क्रममे कांग्रेस नेता निधि बेहोस,

0

नेपाली कांग्रेसक नेता एवम् पूर्व उप्रधानमन्त्री विमलेन्द्र निधि भोट माग्वाक क्रममे बेहोस भेलछथि ।
आश्विन २ गते होबलागल स्थानीय तहके निर्वाचनक लेल अपन पार्टीके उम्मेदवारके जिताब जनकपुरमे बृहस्पतिदिन रोड शोके अगुवाई करति काल निधि एकाएक बेहोस भेलछलथि । अत्यधिक गर्मी आ भिडभाडके कारण निधिके स्वास्थ्य अवस्था बिग्रलछल ।
उच्च रक्तचाप आ मधुमेहके बिरामी निधिके गर्मीके कारण असहज भऽक चक्कर अएलाकऽबाद कार्यकर्तासभ सम्हार्नेछल । हुनका तत्काले जनकपुर अञ्चल अस्पतालमे लगेलछल ।
अस्पतालमे करिब एक घण्टाधरि स्वास्थ्य उपचार कएलाकऽबाद चिकित्सकसभ अवस्था सामान्य भेल कहति आराम करके सुझाव देनेअछि । ओ अस्पतालसँ जनकपुरस्थित सीता प्यालेश होटलमे आराम कऽरहल आफन्तसभ जानकारी करौनेअछि ।
पछिल्का एक हप्तासँ निधि अपन गृहजिल्लामे चुनावी माहौल बनाब दिनराईत सभा, गोष्ठी करति आएलछथि । ओ घर दुहाईर कार्यक्रममे समेत सहभागि होबके भेलासँ दौडधुप बेसी भऽक स्वास्थ्य अवस्था बिगल चिकित्सकसभ बतौनेअछि । चन्दन

Share.

Leave A Reply