भू स्खलनमे दबाक एके घरके तीन गोटेके मृत्यु

0

अषाढ १७ गते,आम्दिममे बितलराति भू स्खलनमे दबा कऽ एके परिवारके तीन गोटेके मृत्यु भेलअछि तँ अन्य तीन गोटे घाहिल भेलअछि ।
घर उपरसँ खेतमे सिँचाइके लेल लगेल पैनी ढहलासँ भू स्खलन गेलासँ घर दबाएलछल । घरमे रहल ५० वर्षीया कुमारी सोदेम्बा, हुनक पोती १२ वर्षीया प्रिति सोदेम्बा आ पोता नौ वर्षीय प्रेम सोदेम्बाके घटनास्थलेमे जान गेल प्रहरी जनौलकअछि । भू स्खलनमे परी ३६ वर्षीय सोमकुमार सोदेम्बा, २० वर्षीय लोकप्रसाद सोदेम्बा आ १५ वर्षीया प्रिया सोदेम्बा घाहिल भेलअछि ।
गम्भीर घाहिल सोमकुमार आ प्रियाके उपचारक लेल बिपी कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान धरान पठाओलगेलअछि । भिन्सर दु बजे घरउपरसँ भू स्खलन खसलछल ।

Share.

Leave A Reply