भारत सरकार स्थानीय तहके चुनावक लेल आठ करोड ९१ लाख रुपैयाँ मूल्य बराबरके ८६ टा सवारीसाधन सहयोग स्वरुप करौलक उपलब्ध

0

बैशाख १९ गते,भारत सरकार स्थानीय तहके चुनावक लेल आठ करोड ९१ लाख रुपैयाँ मूल्य बराबरके ८६ टा सवारीसाधन सहयोग स्वरुप उपलब्ध करौलकअछि ।प्रमुख निर्वाचन आयुक्त डा. अयोधी प्रसाद यादवके उपस्थितिमे निर्वाचन आयोगमे सोमदिन आयोजित समारोहमे निर्वाचन आयोगके सचिव गोपीनाथ मैनालीके नेपालक लेल भारतीय राजदूत मन्जिभ सिंह पुरी सवारीसाधनके चावी हस्तान्तरण कएलनिअछि ।स्थानीय तहके पहिल चरणके चुनाव याह् वैशाख ३१ आ दोसर चरणके चुनाव जेठ ३१ गते होब जाऽरहलअछि । भारत सरकार स्थानीय तहके चुनावक लेल आयोगके ३५ टा पिकअप, सात टा स्करपियो जीप, पाँच टा कार, एकटा मिनीबस, एकटा माइक्रो बस, ३० टा पल्सर मोटरसाइकल आ सात टा स्कुटर उपलब्ध करौलकअछि ।नेपाल–भारतबिच सहयोग आदान प्रदानके एकटा कडीके रुपमे पछिल्का सहयोग उपलब्ध करौने भारतीय राजदूतावास जनौलकअछि ।

Share.

Leave A Reply