भारत–पाकिस्तानमे तनावः नियन्त्रण रेखामे गोली चल्लासँ ७ गोटेके मृत्यु

0

आषाढ २५ गते,भारत आ पाकिस्तानके सीमा क्षेत्रमे रहल नियन्त्रण रेखामे गोली चल्लासँ सातगोटेके जान गेलअछि । शनिदिन भेल गोली हानाहानमे सातगोटेके जान गेल सरकारी अधिकारीके उद्धृत करति अन्तर्राष्ट्रिय सञ्चार माध्यमसभ जनौलकअछि ।
पाकिस्तानके चिडी कोट सेक्टरमे भेल गोली हानाहानमे एक महिला सहित चारिगोटेके जान गेल पाकिस्तानी अधिकारीके उद्धृत करति समाचार संस्था रोयटर्स जनौलकअछि । अहिना शनिएदिन नकयाल सेक्टरमे भारतीय सेनाके गोली लागिक दोसर एक महिलाके सेहो जान गेलअछि । अहिना पाकिस्तानी सेनासभ चलौने गोली लागिक दु गोटेके जान गेल भारतीय अधिकारीसभ बतौलकअछि ।
एक वर्षआगा भारत प्रशासित काश्मिरमे हिज्जबुल मुजाहिदिनके कमाण्डर बुरहान बानीके प्रहरीके गोली लागिक जान गेलाकऽबाद काश्मिरमे तनाव भऽरहलअछि । बानीके जान गेल एक वर्ष पूरा भेलामे काश्मिरमे हड्ताल भऽरहल बेर शनिदिन नियन्त्रण रेखामे गोली चललछल । काश्मिरमे प्रहरी आ प्रदर्शनकारीबिच झडप सेहो भेलअछि । झडप नियन्त्रणमे लेवाकऽलेल प्रहरी अश्रु ग्यास प्रहार कएनेछल । शनिदिन दिनभरि काश्मिरके विभिन्न ठामँमे प्रदर्शन तथा झडप भेल अछि । ओय क्रममे बहुतो घाहिल भेलअछि । घाहिल होबबलामे तीन सुरक्षाकर्मी सेहो रहल सरकारी अधिकारीसभ बतौलकअछि।

Share.

Leave A Reply