भारत च्याम्यिन्स ट्रफी क्रिकेटके सेमिफाइनलम

0

जेठ २९ गते,भारत च्याम्यिन्स ट्रफी क्रिकेटके सेमिफाइनलमे पहुँचलअछि । समूह चरणके अपन अन्तिम खेलमे रबिक राति दक्षिण अफ्रिकाके ८ विकेटसँ हरबति भारत अन्तिम चारिमे स्थान बनौनेअछि । ओभलमे भेल खेलमे १ सय ९२ रनके लक्ष्य भारत ३८ ओभरमे मात्र २ विकेटके नोक्सानीपर भेट्टौनेअछि ।
भारतके शिखर धवन ७८ तथा कप्तान विराट कोहली नटआउट ७६ रन बनौलनि । पहिल ब्याटिङ कएने दक्षिण अफ्रिका क्वीण्टन डि ककके ५३ रनके मद्दतसँ १ सय ९१ रन मात्र बनाब सकलछल । ओयके लेल फाफ डु प्लेसिस ३६ तथा हाशिम अमला ३५ रनके योगदान देलनि ।
दक्षिण अफ्रिकाके ४४ दशमलव ३ ओभरमे आउट कर्वाक क्रममे भारतके भुवनेश्वर कुमार आ जसप्रित बुमराह दु दु विकेट लेलनि । हारकबाद दक्षिण अफ्रिक प्रतियोगितासँ बहराएलअछि । प्रतियोगितामे आय सोमदिन पाकिस्तान आ श्रीलंका खेलत । खेलके विजेता सेमिफाइनलमे जायत ।

Share.

Leave A Reply