भाइके हत्या कएने आरोपमे अपन सहोदर भैया भावी पक्राउ

0

 

बैशाख ९गते,भाइके हत्या कएने आरोपमे अपन सहोदर भैया भावी पक्राउ परलअछि । सिरहाके मिर्चैया–८ मझौवाके २७ वर्षक प्रदिप रायके हत्याके आरोपमे ४० वर्षक फुलगेन राय आ ३५ वर्षक भावि निरोदेवी पक्राउ परलअछि ।घरमे सुतिरहल अवस्थामे गत फागुन ७ गतेके राति घर आगिलगीमे प्रदिपके जरिके जान गेलछल । भैया भावी प्रदिप सुतल कोठामे पेट्रोल ढाईरक आगि लगौने आरोपमे पक्राउ परलअछि ।हत्यामे भैया भावीके संलग्नता देख्लाक कारण पक्राउ कएने इलाका प्रहरी कार्यालय मिर्चैयाके प्रहरी नायव उपरीक्षक गजुसिद्ध बज्राचार्य जानकारी देलनिअछि । पक्राउ परल दुनु गोटेके जिल्ला अदालत सिरहासँ म्याद थप कऽ अनुसंधान भऽरहल डिएसपी बज्राचार्य बतौलनिअछि ।

Share.

Leave A Reply